लहरि रूम (रांची) : झारखंड मैथिली मंच, राँची के पूर्व महासचिव आ वर्तमान मे लायंस क्लब ऑफ रांची ईस्ट के अध्यक्ष संग समाजसेवी भरतेन्दु कुमार झा पूज्य माता सावित्री झा, कें निधन आइ दिनाँक 07 अक्टूबर 2025 मंगल दिन भोर मे भेलनि। स्व. सावित्री झा 82 वर्षक छली हिनक पति स्वर्गीय प्रोफेसर डॉ. सहदेव झा छला। स्व. सावित्री झा विद्यापति नगर कांके रोड राँची मे अपन पुत्र संग रहैत छली स्व. झा स्वयं बहुत रास संस्था सँ जुड़ि कए जरूरतमंद लोक क सेवा मे अग्रणी भूमिका निभाबैत आबि रहल छलि ।स्वर्गीय सावित्री झा जी दू टा बेटा, दू टा बेटी, पोता आ परपोता सहित एकटा पूर्ण परिवार छोड़ि गेल छथि |संध्याकाल हरमू मुक्तिधाम मे अंतिम संस्कार भेलनि , जेठ पुत्र अश्विनी कुमार झा हुनका मुखाग्नि देलनि। अंतिम विदाई के समय रांची शहर के बहुत रास लोक कें हुनक सम्बन्धी लोकनिक उपस्थिति छलनि। श्रद्धांजलि

