spot_img
Friday, November 21, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिथमल हल्ला गुल्ला - नेपाल सिमा भेल सील : बिहार विधानसभा सभा...

थमल हल्ला गुल्ला – नेपाल सिमा भेल सील : बिहार विधानसभा सभा – 2025

-

लहरि मीडिया (पटना) : 20 जिला मे 122 सीट पर बिहार विधानसभा चुनाव क दोसर चरणक मतदान लेल चुनाव प्रचार समाप्त भ’ गेल अछि। एहि 122 सीट पर वोटिंग 11 नवंबर कए होएत। सबटा तैयारी लगभग पूर्ण भ गेल अछि या अंतिम चरण मे अछि। चुनाव आयोग 14 नवंबर क’ वोट गिनती केँ तारीख तय केलक अछि। बिहार मे दोसर चरण क’ मतदान सँ पूर्व भारत-नेपाल सीमा पर निगरानी बढ़ा देल गेल अछि। भारत-नेपाल सीमा 11 नवम्बरक राति धरि केँ लेल सील कयल गेल अछि । एहि दौरान सीमा पा क आवाजाही पर रोक लगा देल गेल अछि।

द्वितीय चरण मे 1,302 प्रत्याशी
दोसर चरण क चुनाव मे बिहार केँ 20 जिला मे 122 विधानसभा सीट पर 11 नवंबर क’ भोर 7 बजे मतदान शुरू भ’ जाएत। एहि चरण मे 1302 उम्मीदवार चुनाव लड़ि रहल छथि, जाहि मे 136 महिला, 1,165 पुरुष, आ एकटा थर्ड जेंडर उम्मीदवार शामिल छथि। कुल 37,013,556 मतदाता अपन मताधिकार के उपयोग करताह। एहि चरण मे 45,399 मतदान केंद्र (बूथ) केँ स्थापना कैल गेल अछि, जाहि मे 40,073 ग्रामीण आ 5326 शहरी बूथ अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts