लहरि रूम (पटना) : बिहार विधानसभा चुनाव 2025 मे प्रचंड विजय के उपरांत NDA केँ नव सरकार बनेबाक प्रक्रिया तेज भ’ गेल अछि। सूत्रक अनुसार भाजपा आ जदयू कैबिनेट मंत्री केँ वितरण केँ संबंध मे पहिल दौर क’ वार्ता पूर्ण क’ एकटा फार्मूला पर आम सहमति बनि गेल अछि ।
कैबिनेट वितरण पर सहमति बनल
सूत्रक अनुसार गठबंधन एहि सिद्धांत पर सहमत भेल अछि जे प्रत्येक छह विधायक पर एकटा मंत्री पद देल जा सकैत अछि। उम्मीद अछि जे अहि फार्मूला सँ गठबंधन केर मुख्य सहयोगी आ छोट दल के बीच विभाग केर बंटवारा मे सुविधा भेटत ।

NDA के स्पष्ट जनादेश
18म विधानसभा मे एनडीए केँ स्पष्ट जनादेश सुरक्षित भ’ गेल अछि। भाजपा 89 सीट वाला सबस पैघ पार्टी अछि, जखन कि जदयू के 85 सीट भेटल अछि। अपन सहयोगी दल मे रालोजपा 19, हम 5, आओर राष्ट्रीय लोक मोर्चा के 4 सीट पर विजयी भेल अछि।

शपथ ग्रहण समारोह के तैयारी प्रारम्भ !
निर्वाचन आयोग 18म विधानसभा चुनावक परिणाम आइ राज्यपाल राजेन्द्र अर्लेकर केँ सुपुर्द करत । नीतीश कुमार सोमदिन मंत्रिमंडल के बैसार बजौलनि अछि जाहि मे 17म विधानसभा के भंग करबाक स्वीकृति देल जायत। जाहि केर बाद नितीश कुमार 17म विधानसभा सँ अपन मंत्री मंडल सँ त्यागपत्र देता। संभावना अछि जे 19 या 20 नवंबर क’ शपथ ग्रहण समारोह होयत। पटना केँ गांधी मैदान मे शपथ ग्रहण समारोह केँ तैयारी चलि रहल अछि।

