spot_img
Friday, November 21, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिराज्यपाल सँ भेंट क' नीतीश कुमार मुख्यमंत्री पद सँ इस्तीफा देलनि त्यागपत्र...

राज्यपाल सँ भेंट क’ नीतीश कुमार मुख्यमंत्री पद सँ इस्तीफा देलनि त्यागपत्र ; काल्हि नव सरकारकमे पुनः मुख्यमंत्री पदक शपथ लेता ।

-

18म विधानसभा आ पुनः मुख्यमंत्री नीतीश कुमार

लहरि रूम (पटना) : नीतीश कुमार बिहार के राज्यपाल आरीफ मोहम्मद खान सँ भेंट क’ मुख्यमंत्री पद सँ इस्तीफा द’ देलनि आओर नव सरकार बनेबाक दावा सेहो प्रस्तुत कयलनि। एहि सँ पूर्व बिहार मे एनडीए विधायक दल के बैसार मे नीतीश कुमार के नेता चुनल गेल। काल्हि ओ 10 म बेर बिहार के मुख्यमंत्री पदक शपथ लेताह। राष्ट्रीय लोकतांत्रिक गठबंधन (एनडीए) के विधायक दल के बैसार मे जनता दल यूनाइटेड के राष्ट्रीय अध्यक्ष नीतीश कुमार सर्वसम्मति सँ नेता चुनल गेलाह। विधानमंडल के सेंट्रल हॉल मे आयोजित बैसार मे भारतीय जनता पार्टी के विधायक दल के नेता सम्राट चौधरी नीतीश कुमार के नाम के प्रस्ताव कयलनि , जेकरा जदयू के वरिष्ठ नेता बिजेंद्र प्रसाद यादव आओर लोजपा (रामविलास) के प्रदेश अध्यक्ष राजू तिवारी सहित सभ गठबंधन दल के विधायक के स्वकृति भेटल। एहि संग नीतीश कुमार केँ मुख्यमंत्री बनबाक रास्ता औपचारिक रूप सँ साफ भ’ गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts