मैथिल भेला गौरवान्वित : शिवम् कुमार मिश्र भेला सम्मानित …..

लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड रांची निवासी शिवम् कुमार मिश्र, सशस्त्र सिमा बल (एसएसबी) के सहायक कमांडेंट “गेलेंट्री अवार्ड” सँ सम्मानित के झारखण्ड विधानसभा के स्थापना दिवस के अवसर पर झारखण्ड राज्य के महामहिम राज्यपाल संतोष गंगवार , विधासभा अध्यक्ष रमाकांत महतो एवं मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन के द्वारा हुनक उत्कृष्ट साहसिक कार्य केँ सम्मानित कयल गेल।

शिवम् कुमार मिश्र मिथिलेश मिश्र (सेवा निवृत संयुक्त सचिव पद- विधानसभा झारखण्ड ) एवं सुनीता मिश्र (सेवा निवृत शिक्षिका – झारखण्ड सरकार) के द्वितीय सुपुत्र छथि। मूलतः शिवम् मिथिला क्षेत्र दरभंगा के अलीनगर विधानसभा क्षेत्र ठेंगा गाम के निवासी छथि। आइ देश के सुरक्षा एवं साहस के प्रतिक बनि क’ शिवम् उभरला अछि। झारखण्ड के सँ पढ़ि – लिख क’ वर्ष 2021 मे अपन मुल प्रशिक्षण ल’ शिवम् बिहार के नक्शल प्रभावित क्षेत्र लखीसराय के भीमबांध क्षेत्र मे अपन पहिल पोस्टिंग लेलनि। शिवम अपन अदम्य साहस , दृढ निश्चय आओर नेतृत्व क्षमता के परिचय दैत सुरक्षा बल केँ उपस्थित के नव मजबूती प्रदान कयलनि। एक सँ एक बढ़ि चुनौतीपूर्ण नक्शल ऑपरेशन जे दू दू दिन तक लखीसराय मे चलल हुनक टीम दू टा बेहद खतरनाक वांछित नक्शली के मारि गिरौअक आओर अभियान के पूर्ण कयलक। जाहि लेल शिवम कुमार महामहिम राष्ट्रपति के द्वारा “गेलेंट्री मेडल” प्रदान कयल गेलनि। अपन तीन वर्षक कार्यकाल में शिवम् कुमार 50 सँ बेसी नक्शली के गिरफ्तार करबै मे महत्वपूर्ण भूमिका निभौलनि अछि। हिनक बुद्धिमता आओर सतर्क कार्रवाई केँ फलस्वरूप हिनक 32 बटालियन के गृहमंत्री द्वारा सर्वश्रेष्ठ बटालियन घोषित कयल गेल।

