
लहरि रूम( रांची ) : बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची के तत्वावधान मे आइ रांची जिला के कचहरी चौक स्थित RIT बिल्डिंग के प्रांगण मे मैथिली वार्षिक पंचांग 2026 केर विमोचन संग सांस्कृतिक कार्यक्रम के आयोजन कयल गेल। एहि कार्यक्रम के मुख्य अतिथि रांची के विधायक श्रीमान सी पी सिंह , विशिष्ट अतिथि स्वरूप हिन्दू जागरण मंच के विद्यानंद जी महराज, अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् के प्रदेश अध्यक्ष अमर नाथ झा, समाजसेवी बिनोदानंद झा ‘बुबु जी’, वरिष्ठ साहित्यकार सियाराम झा ‘सरस’ संग अनेक गणमान्य उपस्थित छला। मुख्य अतिथि संग समस्त विशिष्ट अतिथि के कर कमल सँ समिति के द्वारा प्रकाशित वार्षिक पंचांग के लोकार्पित कयल गेल।

सांस्कृतिक कार्यक्रम के भेल आयोजन
कार्यक्रम के शुभारम्भ मैथिल कवि कोकिल विद्यापति द्वारा रचित गोसोवणी गीत ‘जय जय भैरवि, असुर भयावनी’ सँ भेल। गायक कलाकार रमेश तिवार, अश्वनी आनंद, डॉ सियाराम झा ‘सरस’ आओर यतीन्द्र लाल दास जी के एक सँ बढिकर एक गीतक प्रस्तुति सँ उपस्थित दर्शक वृन्द झूमि उठला। कार्यक्रम के समापन उपरांत लोग सब भण्डारा के आनंद लेलनि।एहि आयोजन केँ सफल बनेबा मे समिति के अध्यक्ष जयन्त झा,महासचिव उदित नारायण ठाकुर, मृत्युंजय झा, राधेश्याम यादव ,संतोष मिश्रा, सुजीत झा , वैध मनोज झा, कृतेश झा, राजीव रंजन, पवन सोनी, जितेंद्र मिश्रा,राजेश झा, बिन्दु झा, नेहा झा संग अनेको लोग के महत्वपूर्ण योगदान छलनि।

