spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिमचान उत्कर्ष फाउण्डेशन के द्वारा वार्षिक पंचांग 'मचान' के भेल लोकार्पण

मचान उत्कर्ष फाउण्डेशन के द्वारा वार्षिक पंचांग ‘मचान’ के भेल लोकार्पण

-

साहित्यकार डॉ विद्यानाथ झा ‘विदित’ जी केर सहदेव स्मृति सम्मान

लहरि रूम (रांची ) : मचान उत्कर्ष फाउंडेशन के तत्वावधान मे आइ कांके रोड स्थित गाँधी नगर के रिक्रिएशन सभागार मे ‘समागम’ कार्यक्रम के आयोजन भेल। एहि आयोजन मिथिला समाज के लब्ध प्रतिष्ठित लोकनि द्वारा फॉउण्डेशन के मैथिली वार्षिक पंचांग 2026 केँ विमोचन कयल गेल। आयोजन के प्रथम सत्र मे पुस्तक मेला संग मैथिली इतिहासक कालजयी पुरुष लोकनिक सचित्र जीविनिक संग प्रदर्शनी के प्रदर्शन सँ भेल। सांस्कृतिक आयोजन मे सौम्या मिश्रा संग अनेको कलाकार के द्वारा मनमोहक प्रस्तुति देल गेल।
मचान उत्कर्ष फाउंडेशन के द्वारा साहित्यकार डॉ विद्यानाथ झा ‘विदित’ जी केँ सहदेव स्मृति सम्मान प्रदान कयल गेल।एहि सम्मान मे साहित्यकार विदित फाउण्डेशन के तरफ सँ 21 हजार टका नकद संग साल आओर प्रतिक चिन्ह प्रदान कयल गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts