नई दिल्ली ब्यूरो :केजरीवाल पद रहैत गिफ्तार होमय वला देश केँ पहिल मुख्यमंत्री बनि गेला अछि। एहि सँ पहिने झारखण्ड केँ मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन केँ मुख्यमंत्री पद पर रहैत ED पूछ ताछ केने छलनि मुदा गिरफ्तारी केँ समय, हेमंत सोरेन अपन मुख्यमंत्री पद सँ त्यागपत्र राज्यपाल केँ सुपुर्द केने रहथि। केजरीवाल कहि रहल छथि जें ओ मुख्यमंत्री पदक त्याग नहि करता।
मीडिया सूत्र सन खबरि आबि रहल अछि जें राहुल गाँधी केजरीवाल केँ परिवार जन सँ आई भेंट करबाक हेतु जेता आओर कानूनी मदद मुहैया करेबाक प्रयास करता।
उत्पाद शुल्क नीति सं जुड़ल मनी लॉन्ड्रिंग मामला मे केजरीवाल केँ तरफ सँ सुप्रीम कोर्ट मे काइल 21 मार्च क’ रात्रि याचिका दायर भेल छल। जाहि पर कोनो विशेष पीठ केँ गठन नहि भेल अछि। संभावना अछि जे आई दायर याचिका पर सुनवाई होई।
दिल्ली केँ मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल केँ गिरफ्तारी केँ विरोध मे आम आदमी पार्टी आईटीओ स्थित भाजपा केँ कार्यालय केँ बहार विरोध प्रदर्शन आई करत।
