
लहरि रूम (रांची) : रांची नगर निगम के सम्पूर्ण झारखण्ड मे निकाय चुनाव होयबाक घोषणा भ’ चुकल अछि। वर्षो सँ निगम क्षेत्र मे सविधा सँ वंचित त्राहिमाम करि रहल जनता केँ आगामी 27 फ़रवरी क’ हुनक पार्षद भेट जेतनि। एहि चुनावी क्रम रांची नगर निगम क्षेत्र वार्ड 34 सँ निवर्तमान पार्षद (वार्ड 26 ) अरुण कुमार झा चुनाव लड़बाक योजना कयनि छथि। रांची नगर निगम क्षेत्र वार्ड 34 मे आजुक दिन मतदाता सब लोकनि हेतु सहयोग केंद्र सह कार्यालय के उद्घाटन कयलनि। एहि कार्यालय सँ मतदाता लोकनि के सब सहायता प्रदान कयल जायत।


