
लहरि रूम ( रांची) : दिनाँक 25 अप्रैल 2026 क’ झारखंड मैथिली मंच, राँची के तत्वावधान मे विद्यापति दलान, हरमू के परिसर मे माँ जानकी के प्राकट्य/अवतरण दिवस दिन कें महोत्सव कें रूप मे मनाओल गेल। कार्यक्रमक शुभ आरम्भ दीप प्रज्वलन आ माँ जानकीक चित्र पर पुष्प अर्पण सँ भेल । मिथिला परंपरा के अनुसार कार्यक्रम के औपचारिक शुभआरम्भ भगवती वंदना, जय जय भैरवी असुर भयावनी, आ राष्ट्रगान के गायन सं भेल । अध्यक्ष बिनय कुमार झा अतिथि लोकनिक स्वागत केलनि। कार्यक्रमक संचालन बद्रीनाथ झा केलनि। एकर बाद पंडित शतीश कुमार मिश्र के देखरेख मे बहिना प्रकोष्ठ केँ सदस्या लोकनिक द्वारा दू दर्जन सँ बेसी कुमाइर भगवती लोकनि के श्रृंगार, पूजन क’ भोजन कराओल गेल।

अहि आयोजन के सफल बनबै मे झारखण्ड मैथिलि मंच के बहिना प्रकोष्ठ के सदस्या अंजू झा, सुनीता झा, गीता झा, स्वाति मिश्रा, बिट्टू झा, अनिता झा, किरण झा के अहम् योगदान रहलनि।

