लहरि रूम (रांची ) : पश्चिम बंगाल के आइ भाजपा के पहिल मुख्यमंत्री भेटल जखन राज्यपाल आर.एन. रवि कोलकाता के ब्रिगेड परेड ग्राउंड पर सुवेन्दु अधिकारी के पद के शपथ देलनि। 2011 सँ पिछला 15 साल सँ एहि पद पर बैसल ममता बनर्जी के जगह प॑र अधिकारी पश्चिम बंगाल केर नवम मुख्यमंत्री बनला ।एहि समारोह मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह, आ केंद्रीय भाजपा केर अनेकों शीर्ष नेता उपस्थित छला । समारोह के लेल कोलकाता पहुंचल अन्य लोक मे योगी आदित्यनाथ (उत्तर प्रदेश के मुख्यमंत्री), पुष्कर सिंह धामी (उत्तरखंड), कॉनराड संगमा (मेघालय), एन.चंद्रबाबू नायडू (आंध्र प्रदेश), भूपेंद्र पटेल (गुजरात), आ सम्राट चौधरी (बिहार) शामिल छलाह. केंद्रीय मंत्री राम मोहन नायडू, धर्मेन्द्र प्रधान, आ जयंत चौधरी सेहो उपस्थित छलाह। इ जानकारी देनाइ जरूरी अछि जे तृणमूल कांग्रेस के नंदीग्राम आन्दोलन मे अधिकारी केर अहम भूमिका छलनि, जे पश्चिम बंगाल मे वाम मोर्चा केर 24 साल केर शासन समाप्त होय के आ तृणमूल कांग्रेस सरकार केर गठन के एक प्रमुख कारण छलनि । 2019 मे मतभेद सामने आयल, आ अंततः ओ 2021 मे टीएमसी छोड़ि देलथि, जकर बाद ओ बनर्जी क नेतृत्व वाला सरकार के विरुद्ध भाजपा क नेतृत्व केलथि, जे कहियो हुनका घनिष्ठ सहयोगी मानैत छल।
शपथ ग्रहण समारोह सँ भावुक आ अंतरंग छवि सामने आयल , जेकरा सँ पश्चिम बंगाल के राजनीति मे एकटा नव अध्याय के शुभआरंभ भेल । मुख्यमंत्री के शपथ लेला के तुरंत बाद सुवेन्दु अधिकारी मंच पर उपस्थित वरिष्ठ नेता के अभिवादन केलनि। सुवेन्दु सबस पहिने प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ पैर छूबि हुनकर आशीर्वाद लेलथि। पीएम मोदी सेहो हुनका गर्मजोशी सँ गला लगा लेलनि आ हुनकर उज्जवल भविष्य के कामना केलनि। सुवेन्दु जखन मंच पर अन्य नेता सब स भेंट क रहल छलाह तखन उत्तर प्रदेश क मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ सँ संपर्क करबा पर एकटा यादगार दृश्य सामने आयल। योगी आदित्यनाथ अपन तरफ सँ भगवा दुपट्टा प्रेम सँ शुभेन्दु के पहिरौलनि | राजनीतिक हलका मे मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ द्वारा प्रस्तुत ई दुपट्टा खाली कपड़ा के टुकड़ा के रूप मे नहि , अपितु “विशेष उपहार” आ अटूट समर्थन के प्रतीक के रूप मे देखलऽ जाय रहल अछि । मंच पर उपस्थित सब नेता एक-एक क’ नव मुख्यमंत्री केँ बधाई देलनि , मुदा पीएम मोदीकें स्नेह आ योगी आदित्यनाथ कें अद्वितीय शैली चर्चा कें विषय बनल रहल।

