
लहरि रूम (रांची) : हिमंत विश्व सरमा आसाम राज्य कें दोसर बेर के मुख्यमंत्री कें रूम मे शपथ लेलनि। आजुक एहि शपथ ग्रहण समारोह मे भारत केर प्रधान मंत्री नरेंद्र मोदी बतौर मुख्य अतिथि उपस्थित छला। आजुक एहि आयोजन मे केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह, रक्षा मंत्री राज नाथ सिंह संग अनेको गणमाण्य व्यक्ति बतौर विशिष्ट अतिथि मंच पर उपस्थित छला। असम राज्य केर राज्यपाल लक्ष्मण प्रसाद आचार्य 57 वर्षीय हिमंत विश्व सरमा केँ मुख्यमंत्री पद हेतु पद आ गोपनीयता केर शपथ दियौलनि। सम्पूर्ण आयोजन गुवाहाटी के खानपुरा स्थित पशु चिकित्सा महाविद्यालय के मैदान मे आयोजित छल।

मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि नबका असम सरकार के शपथ ग्रहण समारोह के स्थल पर एकटा आदमी के प्रशासन द्वारा हिरासत मे लेल गेल, आओर ओकरा संग किछु जिंदा कारतूस बरामद कयल गेल। खानापारा स्थित पशु चिकित्सा महाविद्यालय के मैदान के प्रवेश द्वार पर सुरक्षा जांच केर दौरान जिंदा एकटा व्यक्ति लग कारतूस बरामद कयल गेल अछि, जतय हिमंत विश्व सरमा लगातार दोसर कार्यकाल के लेल असम केर मुख्यमंत्री के रूप मे शपथ लेलनि। पुलिस के अनुसार ओहि आदमी के पूछताछ के लेल हिरासत मे लेल गेल अछि आ ओकरा बसिष्ठा थाना मे राखल गेल अछि । मुदा, ओहि व्यक्ति लग कोनो हथियार बरामद नहि भेल अछि । एकटा पुलिस अधिकारी के हवाला सँ जानकारी आयल अछि जे कारतूस बरामदगी आओर वृस्तित जानकारी केर पता लगाबय के लेल जांच चलि रहल अछि जे एहि मे सुरक्षा के कोनो खतरा छल कि नहि. गुवाहाटी के खानापारा पशु चिकित्सा अस्पताल मे आयोजित समारोह मे राज्यपाल लक्ष्मण प्रसाद आचार्य 57 वर्षीय हिमंत के पद आ गोपनीयता के शपथ देलखिन्ह।


