
लहरि रूम (रांची) : व्रिटिश हाई कमीशन केर आमंत्रण पर भारतीय शिष्टमंडल के सदस्य केँ रूप मे रियल स्टेट कारोबारी संस्था क्रेडाई के चेयरमैन मिथिलावासी कुमुद झा लन्दन उद्यमी केर सम्मलेन मे हरित क्रांति एवं पर्यावरण पर देबाक हेतु गयला अछि। इ आयोजन इंडिया बिल्ट एनवायरनमेंट ट्रेड मिशन कें तहत 11 मई सँ 15 तक कयल जा रहल अछि। ज्ञातव्य अछि जे कुमुद झा BIT मेसरा सँ सिविल इंजीनियरिंग मे स्नातक क’ अपन कंपनी Feacon कंस्ट्रक्शन एंड इंडस्ट्रीज प्रा० लि० केर माध्यम सँ विगत 36 वर्ष सँ झारखण्ड मे रियल स्टेट, सिविल इंजीनियरिग एवं प्रोजेक्ट मैनेजमेंट कें क्षेत्र मे अपन सेवा द’ रहला अछि। श्री झा लायंस कल्ब, रांची कें अध्यक्ष सेहो रहि चुकल छथि।


