spot_img
Thursday, May 14, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिमिशन 'खर्च कटौती' पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आगू - BJP शासित राज्य...

मिशन ‘खर्च कटौती’ पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आगू – BJP शासित राज्य मे नियम भेल लागू ! प्रधानमंत्री केँ काफिला मे रहत मात्र चारि टा गाड़ी

-

लहरि रूम (रांची) : मीडिल ईस्ट मे चलि रहल संघर्ष केर कारण सँ वैश्विक तेल केर कीमत मे बढ़ोतरी सँ अर्थव्यवस्था पर परैत असरि के देखैत प्रधानमंत्री भारत के नागरिक लोकनि सं खर्च में कटौती करबाक अपील (आग्रह) केने छला। एहि अपील केँ बाद अनेको केंद्रीय मंत्री अपन सरकारी काफिला मे गाड़ी सबके संख्या कम क’ देलनि। कतेक केंद्रीय मंत्री अपन सुरक्षा कें काफिला कें 50 % तक कम क’ देलनि अछि। सब जनैत छी आम जनमानस मे नरेंद्र मोदी जतेक लोकप्रिय छथि तहिना हुनक विरोधी सेहो कम नहि छनि। आई प्रधानमंत्री मोदी स्वयं एकटा मिसाल प्रस्तुत करैत कैबिनेट केँ बैसार मे अपना आवास सँ कार्यालय मात्र चारि गाड़ी केँ संग अयला। जे की सामान्य नियम कें विल्कुल विपरीत अछि या बदलाव अछि, कारण ब्लू बुक मे प्रधानमंत्री केँ लेल जे प्रोटोकाल निर्धारित अछि ओहि हिसाब सँ साधारणतय 14 सँ 17 गाड़ी रहैत अछि।

एहि केँ अलावा तत्कालिन सुरक्षा खतरा केँ देखैत आवश्यकता अनुसार राज्य केर पुलिस बल कर्मी आ गाड़ी कें काफिला के हिस्सा के रूप मे तैनात करल जायत छथि । परिणामस्वरुप प्रधानमंत्री के संग जाय वाला कुल गाड़ी के संख्या कखनो -कखनो बढ़ी क’ 30 सँ 40 के बीच भ’ जायत अछि । आई प्रधानमंत्री द्वारा इलेक्ट्रिक वाहन के उपयोग बढ़ाबै के वकालत सेहो कैल गेल । सूत्रक कहब अछि जे पीएम मोदी जोड़ दैत कहला जे एहि मौका कें कारण कोनो नव वाहन नहि खरीदल जेबाक चाही । पीएम मोदी के अलावा Z + श्रेणी के सुरक्षा के लेबय वाला आ आम तौर पर 11 गाड़ी के काफिला के संग यात्रा करय वाला रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह आब मात्र चारि गाड़ी के काफिला के उपयोग प्रारम्भ क’ देलनि अछि। तहिना गृहमंत्री अमित शाह आ स्वास्थ्य मंत्री जेपी नड्डा सेहो अपन आधिकारिक काफिला मे गाड़ी के संख्या कम क’ मात्र चारि क’ देलनि अछि। रक्षा मंत्री कें जका अमित शाह एवं जे पी नड्डा जी कें सेहो Z + कैटोगरी कें सुरक्षा प्रधान कयल जाइत अछि।

BJP शासित राज्य द्वारा उठाओल गेल कदम

उक्त प्रयास केवल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ हुनक मंत्रिमंडल नहि अछि जे खर्च मे कटौती करै के कदम उठैलकै बल्कि भाजपा शासित कईटा राज्य सेहो सरकारी खर्च मे कमी आ मंत्री आ अधिकारीक बीच संयम कए बढ़ावा देबाक उद्देश्य सँ निर्देश जारी केलक अछि। महाराष्ट्र मे सरकार मंत्री सब के अपन मन सँ सरकारी विमान के उपयोग करय पर रोक लगा देलक अछि, आब विमानक उपयोग केवल बहुत महत्वपूर्ण सरकारी काज लेल कैल जा सकैत अछि, जाहि लेल मुख्यमंत्री सँ पूर्व मंजूरी लेबाक जरूरत अछि। किछु मंत्री के विदेश यात्रा सेहो रद्द क’ देल गेल अछि।

दिल्ली मे मुख्यमंत्री रेखा गुप्ता द्वारा ट्विटर हैंडल X पर घोषणा कयल गेल अछि जे मंत्री आ सरकारी अधिकारी “कम सँ कम वाहन ” के उपयोग करतै आ कारपूलिंग आ सार्वजनिक परिवहन केँ प्राथमिकता देथ । मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ मंत्री आ वरिष्ठ अधिकारी केँ संग आबय वाला काफिला केँ आकार मे 50 प्रतिशतक कमी करबाक आदेश देलथि अछि। हुनक अपील के बाद बहुत विधायक भी अपन एस्कॉर्ट गाड़ी छोड़नाइ प्रारम्भ क’ देलथि । मुख्यमंत्री भूपेंद्र पटेल मात्र तीन गाड़ीक काफिला ल’ क’ यात्रा प्रारम्भ क’ देने छथि , जखन कि राज्यके स्वास्थ्य आ श्रम मंत्री एस्कॉर्ट गाड़ी कें एकदम सँ त्याग करबाक फैसला केलनि अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts