spot_img
Sunday, May 24, 2026
spot_img
Homeब्लॉगEbola Virus सँ सतर्क भेल भारत सरकार : एडवाइजरी भेल जारी !

Ebola Virus सँ सतर्क भेल भारत सरकार : एडवाइजरी भेल जारी !

-

लहरि रूम (रांची) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे विश्व स्वास्थ्य संगठन (डब्ल्यूएचओ) द्वारा इबोला वायरस केर पब्लिक हेल्थ इमरजेंसी घोषित केला के बाद भारत सरकार द्वारा एकटा एडवाइजरी जारी कयल गेल अछि। भारतीय नागरिक सब सँ तीन देशक यात्रा करबाक सँ बचबाक आग्रह कयल गेल अछि । इबोला वायरस तेजी सँ पसरैत अछि, ताहि लेल सावधान रहब जरूरी अछि। यदि अहां कें लक्षणक कें अनुभव होइत अछि त’ शीघ्रता सँ जाँच करेबाक उचित होयत।

की अछि Ebola Virus ?
इबोला रोग एकटा वायरल हेमरेजिक बुखार अछि जे इबोला वायरस केर बुंडीबुग्यो स्ट्रेन के संक्रमण के कारण सँ होइत अछि । ई एकटा गंभीर बीमारी अछि जकर मृत्यु दर बेसी अछि ।वर्तमान में बुंडीबुग्यो स्ट्रेन के कारण इबोला रोग के रोकथाम या इलाज के लेल कोनो टीका या विशिष्ट उपचार के उपलब्धता नहि अछि।

केंद्र सरकार द्वारा आइ रवि दिन क’ अपन नागरिक सबके हितक ध्यान रखैत एडवाइजरी जारी केलक अछि जहि मे कहल गेल अछि जे अखन कांगो, युगांडा आ दक्षिण सूडान मे रहि रहल छथि या जाय रहल छथि से स्थानीय स्वास्थ्य एजेंसी द्वारा जारी एडवाइजरी के कड़ाई सँ पालन करैत आ विशेष सावधानी बरतैथ । विश्व स्वास्थ्य संगठन (डब्ल्यूएचओ) एहि स्थिति कें ‘अंतरराष्ट्रीय चिंता केर सार्वजनिक स्वास्थ्य आपातकाल’ (पीएचईआईसी)” घोषित केलक अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts