लहरि रूम (रांची) : अत्यंत हर्षक संग लहरि सब मैथिल भाषा – भाषी प्रेमी जन केर सूचित कय रहल अछि जे मैथिली भाषा के CBSE केर पाठ्यक्रम मे सम्मलित कयल गेल अछि। भारतीय जनता पार्टी, दरभंगा केर सांसद गोपाल जी केँ कौशल विकास एवं उदयमशीलता राज्य मंत्री (स्वतंत्र प्रभार) सह शिक्षा राज्य मंत्री भारत सरकार जयंत चौधरी जी द्वारा लिखीत पत्र केर माध्यम सँ सूचना प्राप्त भेल अछि।

सांसद गोपाल जी ठाकुर आ समस्त मैथिल जे मैथिली भाषा केर पाठ्यक्रम मे सम्मलित करबाक हेतु लगातार अपन मांग केंद्र सरकार सँ करैत आबि रहला छल। जाहि के परिणाम स्वरुप आइ मैथिली भाषा केर CBSE पाठ्यक्रम मे सम्मलित भेल। केंद्र सरकार केर द्वारा लेल गेल एहि ऐतिहासिक निर्णय पर गोपाल जी ठाकुर भारत के प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जी, शिक्षा मंत्री धर्मेंद्र प्रधान जी सह शिक्षा राज्य मंत्री जयंत चौधरी जी के धन्यवाद ज्ञापित कयलनि अछि। केंद्र सरकार के द्वारा लेल गेल अहि निर्णय पर विश्व मे रहनिहार समस्त मैथिल अपना आप केर गौरवान्वित महसूस करैत छथि।

भारतीय जनता पार्टी के जखन स्व. अटल बिहारी वाजपेयी जी केर सरकार छलनि तखन मैथिली भाषा केर अष्ठम अनुसूची मे सम्मलित कयल गेल छल। आइ पुनः भारतीय जनता पार्टी केर नरेंद्र मोदी जी के सरकार माँ जानकी केर भाषा मैथिली केर CBSE पाठ्यक्रम मे सम्मलित क’ सम्मानित कयलक अछि।

