
लहरि रूम (रांची) : आइ 27 मई 2026 क’ बिहार संस्कृत बोर्ड के अध्यक्ष मृत्युंजय कुमार झा विभिन्न कार्यक्रम के लेल रांची आयल छला । एहि निमित्त विश्वम्भर फाउंडेशनक परिसर मे सेहो हिनक आगमन भेलनि। संस्कृत बोर्ड के अध्यक्ष के रूप मे सेवा के बादो हुनक मातृभाषा मैथिली के प्रति प्रेम निरंतर बनल रहल । अपन क्षेत्रक प्रतिनिधित्व करैत मैथिली भाषाक मान्यताक मांगक आन्दोलन मे लगातार भाग लैत रहलाह । हुनका लोकनिक सहभागिता के माध्यम सँ दरभंगा के सांसद गोपाल जी ठाकुर के एहि मुद्दा के केंद्र सरकार तक पहुंचेबा मे अहम भूमिका निभौला। एहि केर परिणाम स्वरूप सीबीएसई केर पाठ्यक्रम मे मैथिली भाषा केँ सम्मलित कयल गेल । एहि क्रम मे विश्वम्भर फाउंडेशन द्वारा मैथिली अभियानी सह बिहार संस्कृत शिक्षा बोर्डक अध्यक्ष मृत्युंजय झा केँ मिथिला संस्कृति सम्मान सँ सम्मानित कयल गेल। हुनका पाग पहिरा क’, दोपटा ओढ़ा क’ आ पुष्प गुच्छ द’ सम्मानित कैल गेलनि । सम्मानित करय वाला मे फाउंडेशन सचिव नवीन कुमार झा, संचालन समिति के सदस्य अमरनाथ झा, रणधीर झा, रंजीत झा, प्रभाकर ठाकुर, अभिषेक सिंह आ किशोर झा शामिल छलाह।


