
लहरि रूम (रांची) : वैभव सूर्यवंशी केर सीनियर भारतीय क्रिकेट टीम मे सम्मलित कैल गेल अछि। सूर्यवंशी कें T-20 टीम मे सम्मिलत कैल गेल अछि। शामिल करलऽ गेलऽ छै । एहि खबर केर जानकारी बीसीसीआई केर द्वारा जखन इंग्लैंड आ आयरलैंड केर दौरा लेल टीम इंडिया केर टीमक घोषणा के बाद प्राप्त भेल अछि। वैभव सूर्यवंशी टीम इंडिया केर T20 टीम सम्मलित भेला सँ सम्पूर्ण मिथिला आओर सम्पूर्ण विश्व मे जतय भारतीय क्रिकेट प्रेमी छथि सभहक लेल गौरव केर छण संग सुखद समाचार अछि। बीतल आईपीएल 2026 मे वैभव केर शानदार प्रदर्शन केर उपरांत बीसीसीआई एहि फैसला पर मुहर लगेलक अछि। आईपीएल 2026 केर बाद सचिन तेंदुलकर, सुरेश रैना, इरफ़ान पठान, युवराज सिंह, महेंद्र सिंह धोनी, विराट कोहली संग अनेकों दिग्गज क्रिकेटर सबके हुनका पर नजरि छलनि आओर सब गोटे एक सुर मे हुनका टीम इंडिया मे सम्मलित करबाक हेतु ईच्छा व्यक्त करैत छला।

नोट : एहि टीमक घोषणा केर बाद आओल लिस्ट मे श्रेयस अय्यर केर नाम कप्तान आओर तिलक वर्मा केर नाम उप कप्तान केर रूप मे अछि। अभिषेक शर्मा, रवि बिश्नोई ,नीतीश कुमार रेड्डी, मोहम्मद सिराज, संजू सैमसन (विकेटकीपर), ईशान किशन (विकेटकीपर), शिवम दुबे, अक्षर पटेल, वाशिंगटन सुंदर, वरुण चक्रवर्ती, वैभव सूर्यवंशी, हर्षित राणा, अर्शदीप सिंह, प्रिंस यादव एहि टीम मे सम्मलित छथि। एहि टीम सँ पूर्व कप्तान सूर्य कुमार यादव केर बाहर राखल गेल अछि।

