spot_img
Tuesday, June 9, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिTMC के लेल पैघ झटका, 20 सांसद एनडीए मे शामिल भ' गेलाह-सूत्र...

TMC के लेल पैघ झटका, 20 सांसद एनडीए मे शामिल भ’ गेलाह-सूत्र !

-

लहरि रूम (नई दिल्ली) : आइ सोम दिन नई दिल्ली मे I.N.D.I गठबंधन केर उच्च स्तरीय बैसार कैल गेल। आम आदमी पार्टी छोड़ी सब सहोयगी दल केर नेता सब उपस्थित भेला। नई दिल्ली मे विपक्षी गठबंधन केर सहयोगी दल के उच्च स्तरीय बैसार के बाद मीडिया क॑ संबोधित करैत खर्गे जी कहलनि जे भारत केर मुख्य न्यायाधीश केर जल्द सँ जल्द चिट्ठी भेजै के बारे मे सहमति बनल अछि। ओ कहलनि जे, SIR, वोट धांधली, आ चुनाव मे धांधली के संबंध मे भारत के मुख्य न्यायाधीश के पत्र भेजय पर सहमति बनल अछि। ई पत्र जल्दिये भारत के मुख्य न्यायाधीश के सौंपल जायत। खर्गे आगू कहलनि NIIT आ CBSE केर परीक्षा मे हाजिर होय वाला छात्र के भविष्य कें प्रभावित करै वाला कथित गड़बड़ी के कारण गठबंधन सर्वसम्मति सँ केंद्रीय शिक्षा मंत्री सँ तत्काल इस्तीफा दै के मांग करै के संकल्प लेलल अछि।

बंगाल मे TMC मे भयंकर टूट केर खबरि……
एम्हर दिल्ली मे ममता बनर्जी I.N.D.I गठबंधन केर उच्च स्तरीय बैसार मे सम्मलित हेबाक लेल दिल्ली केर कंस्टीटूशन क्लब मे पहुँचल छली आ ओम्हर बंगाल मे TMC मे टूट केर खबरि आबि रहल छी। खबरि आबि रहल अछि 20 टा सांसद NDA या BJP केर दामन थामय के लेल तैयार छथि आ या भ’ गेला अछि। अखनधरि TMC केर 28 टा कुल सांसद छथि। जं 20 सांसद पार्टी केर छोड़ी दैत छथि त’ केंद्रीय सांसद मे TMC केर मात्र 8 टा सांसद रहि जेता। खबरि आबि रहल अछि जे तृणमूल कांग्रेस के लगभग 20 सांसद औपचारिक रूप सँ भाजपा नेतृत्व वाला एनडीए के समर्थन करय केर इच्छा व्यक्त कयलक अछि। जे पश्चिम बंगाल के राजनीति मे काफी बदलाव के संकेत दैत अछि। विद्रोही टीएमसी के सांसद काकोली घोष दस्तीदा कहलनि जे ई फैसला के कारण पिछला तीन-चारि साल सँ राज्य मे परेशान करय वाला कुशासन, अराजकता, आ वित्तीय गड़बड़ी अछि । काकोली घोष दस्तीदा लोकसभा अध्यक्ष के चिट्ठी लिखि क’ अलग-अलग सीट के व्यवस्था के आग्रह कयलनि अछि , जाहि सँ तृणमूल कांग्रेस के पैघ झटका लागय केर सम्भवना अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts