spot_img
Tuesday, June 9, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिझामुमो केर बैजनाथ राम, कांग्रेस सँ प्रणव झा आ निर्दलीय परिमल नाथवानी...

झामुमो केर बैजनाथ राम, कांग्रेस सँ प्रणव झा आ निर्दलीय परिमल नाथवानी केलनि नामांकन

-

भाजपा लग नहि अछि पूर्ण बहुमत, ताहि लेल नथवाणी जी केर समर्थन – बाबू लाल मरांडी !
लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड राजयसभा चुनाव केर विगुल बाजि चुकल अछि। झारखण्ड मुक्ति मोर्चा प्रत्याशी बैजनाथ राम, कांग्रेस प्रत्याशी प्रणव झा आ निर्दलीय प्रत्याशी परिमल नाथवानी अपन चुनावी प्रत्याशी केर रूप मे नामांकन पत्र दाखिल कयलनि। बैजनाथ राम आ प्रणव झा केर नामांकन काल मे मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन, कांग्रेस केर केंद्रीय पर्यवेक्षक आ छत्तीसगढ़ के पूर्व मुख्यमंत्री भूपेश बघेल, कईटा राज्य सरकार के मंत्री, कांग्रेस के वरिष्ठ नेता, आओर राजद के विधायक उपस्थित छला। परिमल नाथवानी भाजपा आ NDA विधायक केर समर्थन सँ निर्दलीय उम्मीदवार के रूप मे अपन नामांकन दाखिल केलनि।

I.N.D.I. एलायंस दुनू सीट पर जीत केर दावा केलक अछि…..
पिछला किछु दिन स राज्यसभा चुनावक उम्मीदवारक चयन केर संबंध मे झारखण्ड मे सत्ताधारी गठबंधन केर भीतर चर्चा आ असहमति सामने आबि रहल छल। कांग्रेस के उम्मीदवार के घोषणा के बाद झामुमो केर किछु नेता दुनु सीट पर अपन दावा दांव पर लगा देने छला। मुदा उच्च स्तरीय आ राज्यस्तरीय चर्चाक बाद गठबंधन एकटा साझा रणनीति अपना लेलक आ दुनू दलक उम्मीदवारक नाम पर सहमति बनल।

एहि अवसर पर गठबंधन एकताक प्रदर्शन केलक आ दुनू सीट पर जीतक दावा क’ रहल अछि । नामांकन सँ पूर्व गठबंधन केर सब नेता आ विधायक एक संग विधानसभा पहुंचलाह। राजनीतिक पर्यवेक्षक एकरा ताकत के प्रदर्शन आ राज्यसभा चुनाव सँ पूर्व विधायक के बीच एकता के संदेश देबय के कोशिश के रूप मे देख रहल छथि।

परिस्थिति के देखैत परिमल नाथवानी के समर्थन : बाबूलाल मरांडी !
एहि अवसर पर भाजपा विधायक दल केर नेता आ नेता प्रतिपक्ष बाबूलाल मरांडी कहलनि जे, भाजपा परिस्थिति केँ देखैत परिमल नाथवानी केँ समर्थन करबाक निर्णय लेलक अछि। ओ इहो कहलनि जे, भाजपा मे राज्यसभा सीट जीतय लेल पर्याप्त संख्या बल के कमी अछि, ताहि लेल नाथवानी के एकटा व्यापक रणनीति के तहत समर्थन देल गेल। मरांडी जी कहला जे परिमल नाथवानी एकटा “टेस्टेड” (जाचल -परखल) व्यक्ति छथि आ झारखंड हुनक कार्य राज्यसभा सदस्य के रूप मे देखने अछि ।

आइ सोमदिन अपन नामांकन दाखिल करबा सँ पूर्व नाथवानी भाजपा आ ओकर सहयोगी दल केँ विधायक सँ भेंट केलथि। एहि केर मीडिया सँ बात करैत दावा कयला जे एहि चुनाव मे हुनक जीत सुनिश्चित छनि । आइ प्रातः काल परिमल नाथवानी रांची मे हटिया सँ भाजपा विधायक नवीन जायसवाल के आवास पर पहुंचलाह जतय ओ भाजपा आओर एनडीए के सहयोगी नेता आओर विधायक सँ भेंट केलनि। बैसार मे राज्यसभा चुनाव क रणनीति आ समर्थन पर चर्चा भेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts