
लहरि रूम (रांची): झारखंड राज्यसभा केर दू सीट हेतु होमय जा रहल अछि। मीडिया सूत्र केर सूचना केर अनुसार एखन धरि 6टा नॉमिनेशन फॉर्म बिका चुकल अछि। परिणाम स्वरुप आब ई चुनाव राजनीतिक शतरंज केर प्रतिस्पर्धा जका भ’ चुकल अछि । जिनका लग मैजिक नंबर 28 भ’ जेतनि ओ विजयी भ’ जेता। एहि मैजिक नंबर केँ प्राप्त करबाक हेतु चेक-मेट आ जोड़-तोड़ केर पूरजोर कोशिश सब गोटे क’ रहला अछि। शनिदिन 6 जून क’ झामुमो पूर्व मंत्री बैद्यनाथ राम केँ अपन उम्मीदवार घोषित केलक अछि ।दोसर तरफ मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन सँ भेंट केला केर उपरांत कांग्रेस के पर्यवेक्षक के रूप मे रांची पहुंचल भूपेश बघेल कांग्रेस के उम्मीदवार प्रणव झा के समर्थन मे गठबंधन एकजुट होयबाक के दावा कयलनि। एहि केर बाबजूद चुनाव हेतु INDI अलायन्स केर तस्वीर अस्पष्ट अछि। 6 टा नॉमिनेशन फार्म बिक्री भेला सँ राजनीतिक हलका मे नव हलचल मचल अछि।
8 जून क’ अनेकों राजनीतिक रहस्य सँ पर्दा उठत !
कांग्रेस प्रत्याशी प्रणव झा, झामुमो प्रत्याशी बैद्यनाथराम, भाजपा नेता गौरव वल्लभ, दू बेरक झारखंड सँ राज्यसभा सांसद रहि चुकला परिमल नथवानी, वाईएसआर कांग्रेस पार्टी केर पूर्व राज्यसभा सांसद वी. विजयसाईरेड्डी, रवि कुमार यादव उर्फ रवि पीटर लोकनि झारखण्ड सँ राज्यसभा चुनाव मे अपना आप केर प्रत्याशी रूप मे प्रस्तुत करबाक हेतु नॉमिनेशन फार्म किनला अछि।
महागठबंधन केर 56 विधायक केर मजबूत बहुमत के बावजूद आंतरिक समीकरण देखबा मे कमजोर बुझना जाइत अछि, जाहि कारण सँ हॉर्स ट्रेडिंग (विधायक सभहक खरीद- फरोख्त के संभावना) केर अटकलबाजी सँ राजनीतिक गलियारा गरम अछि । आब सभहक नजरि 8 जून पर अछि जे कोन प्रत्याशी केर कोन विधायक प्रस्तावक बनि अपन हस्ताक्षर दैत छथिन।

परिमल नाथवानी आ विजयसाई रेड्डी केर एंट्री सँ आयल सियासी भूचाल !
झारखण्ड केर राजनीतिक गलियारा मे सबसँ बेसी चर्चा केर विषय अछि परिमल नाथवानी आ विजयसाई रेड्डी। हिनका दुनू गोटे केँ किनकर भरोसा प्राप्त भेल छनि ? दुनू दिग्गज निर्दलीय उम्मीदवारक रूप मे नॉमिनेशन फॉर्म खरीदने छथि। एहि सँ इ प्रश्न उठि रहल अछि जे हिनका दुनू गोटे केँ आमंत्रित केलक? राज्यसभा चुनाव के लेल कोनो निर्दलीय उम्मीदवार के अपन नामांकन के संग 10 प्रस्तावक के हस्ताक्षर जमा करय पड़त छैक। आब सबहक नजरि 8 जून पर अछि, जखन नामांकन दाखिल होएत आओर प्रस्तावक के नाम सार्वजनिक कएल जाएत।

