
लहरि रूम (रांची) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे बेंगलुरु स्थित भारतीय अंतरिक्ष अनुसंधान संगठन (इसरो) केर बम सँ ऊरेबाक लेल धमकी भरल ईमेल इसरो कें चेयरमैन डॉ. वी नारायणन केर सर्वप्रथम आयल तदोपरांत फोन काल सेहो आयल। एहि केर पश्चात सम्पूर्ण परिसर मे हड़कंप मचि गेल। सुरक्षा एजेंसी सब त्वरित कार्रवाई मे लागि गेल । जानकारी भेटला पर पुलिस सम्पूर्ण परिसर मे गहन तलाशी अभियान शुरू केलक। धमकी के बाद पुलिस टीम, डॉग स्क्वॉड आ बम के पता लगा क’ निष्क्रिय करय वाला बमस्क्वॉड मौका पर पहुंच गेल। सुरक्षा कारण सँ सम्पूर्ण परिसर केर खाली करा क’ गहन तलाशी शुरू करि देल गेल। मुदा तलाशी के दौरान कोनो संदिग्ध वस्तु या विस्फोटक नहि भेटल, आ धमकी एकटा धोखा साबित भेल।

आगू शासन आ प्रसाशन एहि फर्जी मेल आओर फोन काल केर जांच मे लागि गेल अछि जे एहि तरहक फोन कॉल आओर मेल के आओर कतय सँ आयल।

