spot_img
Monday, July 20, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिहाई अलर्ट : बिहार ,झारखण्ड मे भारी बरखा केर संभावना !

हाई अलर्ट : बिहार ,झारखण्ड मे भारी बरखा केर संभावना !

-

लहरि रूम (रांची ) : सम्पूर्ण भारत मे गुमश भरल गर्मी जकाँ मौसम बनल अछि ओहि केर मध्य मौसम विभाग अलर्ट जारी केलक अच्छी जाहि सँ परेशानी बढ़ि सकैत अछि। मौसम विभाग केर पूर्वानुमान मे बिहार, झारखण्ड, उत्तर प्रदेश संग 22 राज्य मे बरखा आ आंधी केर चेतावनी जारी कयल गेल अछि। अहि क्रम मे 75 किलोमीटर प्रतिघंटा केर रफ्तार सँ हवा बहत। विशेष चेतावनी पूर्वी भारत में रहनिहार लोकनिक लेल अछि। मेघक गर्जन आओर बिजलोका सेहो अपन कार्य सँ आम जन जीवन के अस्त व्यस्त क’ सकैत अछि। किसान सबके खेत तरफ नहि जेबाक चेतावनी देल गेल अछि। फसल सबके नोकसान हेबाक संभावना अछि।

बिहार आओर झारखण्ड मे अलर्ट जारी
दरभंगा, मधुबनी, पूर्णिया, वैशाली, मुजफ्फरपुर, समस्तीपुर, भागलपुर, मुंगेर, कटिहार,पूर्वी चंपारण, पश्चिम चंपारण, पटना, गया, जहानाबाद, गोपालगंज, भोजपुर, रोहतास, कैमूर, औरंगाबाद, बक्सर, सिवान, बेगुई, किशनगंज, एवं बेगूसराय मे एहि दौरान 60 सँ 65 किलोमीटर प्रति घंटा तक के रफ्तार सँ हवा बहबाक संभावना अछि। काल्हि 20 जुलाई क’ पटना मे अधिकतम तापमान 39 डिग्री सेल्सियस रहबाक उम्मीद अछि, जखन कि न्यूनतम तापमान 29 डिग्री सेल्सियस रहत।

झारखंड केर साहिबगंज, रांची, हजारीबाग, लातेहार , सिमडेगा, पश्चिम सिंहभूम, पूर्वी सिंहभूम, खूंटी, बोकारो, जमशेदपुर, पलामू, धनबाद, आ हजारीबाग के लेल भारी बरखा आ ठनका गिरबाक के चेतावनी जारी कयल गेल अछि । एहि क्रम मे 60 सँ 65 किलोमीटर प्रति घंटा के रफ्तार सँ हवा के संग तूफान केर चेतावनी अछि। 20 जुलाई रांची क’ अधिकतम तापमान 28 डिग्री सेल्सियस आ न्यूनतम तापमान 23 डिग्री सेल्सियस तक रहबाक संभावना अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts