spot_img
Saturday, July 25, 2026
spot_img
Homeटटका खबरि"सामाजिक -आर्थिक एवं संसदीय अध्ययन केन्द्र" रांची द्वारा कयल गेल 'वृक्षारोपण'

“सामाजिक -आर्थिक एवं संसदीय अध्ययन केन्द्र” रांची द्वारा कयल गेल ‘वृक्षारोपण’

-

लहरि रूम (रांची) :“एक वृक्ष उनकी स्मृति में” अभियान के तहत झारखण्ड राज्य केर शोधपरक संस्था “सामाजिक -आर्थिक एवं संसदीय अध्ययन केन्द्र” द्वारा आई रांची के राजकीय कृत मध्य विद्यालय,ललगुटुआ परिसर मे गहन वृक्षारोपण कार्यक्रम संपन्न भेल । कार्यक्रम क’ संयोजक अमरनाथ झा आ अरुण कुमार मिश्र द्वारा जानकारी देल गेल जे संस्था प्रत्येक वर्ष विविध कार्यक्रमक संग एहि वृक्षारोपण कार्यक्रम केर संयोजन करैत अछि । आजुक दिन फलदार, छायादार, पुष्पक संग काष्ट केर पौधा लगाओल गेल अछि, जाहि मे अशोक,कचनार,चंपा,आम, जामुन,कटहल,नीम,शरीफा,छितवन ,आंवला, प्रमुख अछि । विद्यालय परिवार,छात्र छात्रा एवं सब शिक्षक/शिक्षिका लोकनि एहि अभियानक प्रति हर्ष व्यक्त कयलनि । एहि वृक्षारोपण कार्यक्रम केर प्रति स्थानीय गणमान्य लोकनि विशेष उत्साहित छला । एहि अवसर पर सदस्य रमाकांत महतो,अवधकिशोर सिंह, प्रोफेसर डा. चन्द्रकान्त शुक्ल, अजय तिवारी सा.का. राकेश चौधरी अमलेन्दु कुमार विद्यालय प्रधान श्रीमती ऋता कुमारी, शिक्षिका ईश्वरी कुमारी आ विद्यालय केर छात्र-छात्रा कार्य केर संपादन मे अपन सहभागिता देखौलनि।

संस्था केर अध्यक्ष ओ.पी लाल आ सचिव अयोध्या नाथ मिश्र ने आयोजन, प्रकृति आ पर्यावरण संरक्षण एवं सबसँ बढ़ि क’ मानव संग जीव केर अस्तित्व पर उत्पन्न होइत वैश्विक संकट के प्रति सचेत करैत प्रकृति केर संग समवेत सहकारी समन्वित जीवन पद्धति केर एकमात्र उपाय बतौलनि । रमाकांत महतो द्वारा आबय वला समय मे विभिषिका के प्रति सचेष्ठता हेतु आह्वान कयलनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts