IPL 2024 :चेन्नई केँ एमए चिदंबरम स्टेडियम मे स्टेडियम मे खेलल गेल मुकाबला आरसीबी केँ कप्तान फाफ डु प्लेसिस टॉस जित क’ पहिले बल्लेबाजी करैक निर्णय लेलनि। आरसीबी केँ प्रारम्भ बढ़िया छल कप्तान फाफ डु प्लेसिस आओर विराट कोहली पहिल विकेट लेल 41 रन बनौलनि। डुप्लेसिस अपन जबरदस्त बैटिंग सँ 35 रनक पारी मे 8 चौका मारलनि। आरसीबी अपन पहिल पारी मे 20 ओवर मे 6 विकेट पर 173 बनौलनि। जबाब मे चेन्नई सुपर किंग्स चार विकेट पर लक्ष्य प्राप्त कयलनि।
