
लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड केर राजधानी रांची के जयपाल सिंह मुण्डा मे चलि रहल पेपर लीक केर मामला मे छात्र आंदोलन के आइ 15म दिन अछि। 8 अगस्त क’ भर्ती परीक्षा मे प्रश्नपत्र क कथित लीकक विरोधक बीच झारखंड सरकार शनिदिन विभिन्न छात्र संगठन कें प्रतिनिधि सँ बातचीत केलक, मुदा कोनो समाधान नहि भ’ सकल। विरोध करय वाला उम्मीदवार सभ अपन सभ मांग पूरा होएत तक आन्दोलन जारी राखय के फैसला कयलनि अछि। झारखण्ड सरकार तीन मंत्री सहित पांच सदस्यीय सरकारी समिति सबसँ पहिने झारखंड लोकतांत्रिक क्रांतिकारी मोर्चा क नेता देवेंद्र नाथ महतोक नेतृत्व मे विरोध प्रदर्शनकारी गुट सँ भेंट केलक। एहि पेपर लीक मुद्दा परदेवेंद्र नाथ महतो के अनशन के सातम दिन अछि। आइ शनि दिन 8 अगस्त 2026 क’ झारखण्ड सरकार केर समिति कांग्रेस समर्थित एनएसयूआई, एसीएस आ जेसीएम कें प्रतिनिधिमंडल संग सेहो वार्ता कयलक।

10 अगस्त को विधानसभा घेराब
पेपर लीक केर विरोध मे होमय वला छात्र आंदोलन मे भाग लेलनिहार छात्र सभ के कहनाय छनि जे अगर राज्य सरकार 14म जेपीएससी परीक्षा रद्द करि सीबीआई के जांच के आदेश नहिं देत त’ 10 अगस्त के विधानसभा के घेराब करत।
सरकार परीक्षा प्रणाली मे सुधार पर सब सँ सुझाव मांगत…..
शिक्षा मंत्री सुदिव्य कुमार कहलनि जे, राज्य सरकार प्रतियोगी परीक्षा प्रणाली मे सुधार के संबंध मे छात्र संगठन सँ चर्चा करत। ओ इहो कहलनि जे, जे छात्र या हुनकर अभिभावक अपन विचार व्यक्त करय लेल रांची नहि पहुंच सकला अछि , ओ अपन शहर या गाम मे रहि ईमेल के माध्यम सँ अपन सुझाव पठा सकैत छथि। सरकार एनएसयूआई, झारखंड स्टूडेंट यूनियन, आ अन्य छात्र संगठनऽ के प्रतिनिधि साब सँ सेहो बातचीत करत ।
एहि उच्च स्तरीय सरकारी प्रतिनिधिमंडल मे सुदिव्य कुमार के संग चमरा लिंडा, संजय प्रसाद यादव, दीपिका पांडेय सिंह, आओर मुख्य सचिव अविनाश कुमार सम्मलित छलाह।

