spot_img
Monday, August 10, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिछात्र संगठन द्वारा 10 अगस्त झारखण्ड विधानसभा घेराव केर घोषणा - सरकार...

छात्र संगठन द्वारा 10 अगस्त झारखण्ड विधानसभा घेराव केर घोषणा – सरकार संग दोसर दौर केर वार्ता विफल !

-

लहरि रूम( रांची) : झारखंड सरकार आ जेपीएससी-जेएसएससी परीक्षा विवाद के विरोध भ’ रहल छात्र आंदोलन केर आइ 16म दिन अछि। छात्र संगठन केर छात्र नेता आओर सरकार केर प्रतिनिधी मंडल के बीच दोसर दौर के बातचीत रविदिन( 09 अगस्त 2026 -आइ) भेल। लगभग दिन मे 12 बजे के आसपास प्रारम्भ भेल बैसार मे छात्र के विभिन्न मांग पर विस्तार सँ चर्चा कयल गेल। सरकार आ छात्रक बीच करीब पांच घंटा केर बातचीत संग खूब घोंघाउज भेल मुदा कोनो समाधान नहि भ’ सकल। हालांकि सरकारी मंत्री सुदिव्य कुमार सोनू अपन वक्तव्य मे कहला जे लगभग 98% छात्रक मांग पर सहमति भ’ गेल अछि। एम्हर छात्र सब के कहनाय छनि जे सरकार हुनकर 50% सँ बेसि मांग के स्वीकार क’ लेलक अछि, मुदा कईटा प्रमुख आओर महत्वपूर्ण मुद्दा पर सहमति नहि देखा रहल अछि। बैसार के बाद छात्र विरोध प्रदर्शन के समाप्त करय सँ मना क’ देलनि। बैसार मे उपस्थित छात्र प्रतिनिधि लोकनि द्वारा 10 अगस्त क’ झारखंड विधानसभा केर घेराबक घोषणा केलनि ।

JSSC आ CJL पर कोनो सहमति नहि बनल, छात्र सीबीआई जांच पर अड़ल छथि
बातचीत मे सबसँ महत्वपूर्ण गतिरोध जेएसएससी सीजीएल परीक्षा छल। छात्र एहि मामलाक सीबीआई जांच कें मांग क’ रहल छथि , जखन कि सरकार न्यायिक जांच केर वकालत क’ रहल अछि । सरकार केर तर्क अछि जे सीजीएल परीक्षा सुप्रीम कोर्ट केर आदेशक बाद भेल अछि, एहि लेल एकरा एकदम सँ रद्द नहि कैल जा सकैत अछि। एम्हर छात्र परीक्षा प्रक्रिया आ ओहि सँ आरोप के स्वतंत्र जांच के मांग क’ रहल अछि । ई मुद्दा बैसार के सरकार आ छात्र के बीच मतभेद केर प्रमुख कारण अछि । छात्र सब के कहनाय छनि जे न्यायिक जांच के आश्वासन मात्र हुनकर मांग के पूरा करय लेल अपर्याप्त अछि आओर ओ सीबीआई के जांच चाहय रहल छथि।

TDPL के सभ परीक्षा रद्द करय के मांग पर गतिरोध
TDPL द्वारा आयोजित परीक्षा पर सरकार आ छात्र सभहक बीच सहमति नहि बनि सकल। छात्र टीडीपीएल द्वारा संचालित सबटा परीक्षा रद्द करबाक मांग केलनि। छात्र संगठन कें कहनाइ अछि जे परीक्षा प्रक्रिया के बारे मे उठल प्रश्न के आलोक मे ई परीक्षा केर निष्पक्ष जांच जरूरी अछि । मुदा सरकार सभ परीक्षा रद्द करय लेल तैयार नहि भेल. छात्रक मांग आ टीडीपीएल पर सरकारक रुख मे मतभेदक कारण इ मुद्दा सेहो वार्ता मे लंबित रहल। छात्र सब साफ क’ देलथि जे जा धरि हुनकर प्रमुख मांग पर कोनो ठोस फैसला नहि भ’ जाएत ता धरि ओ आंदोलन चलैत रहत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts