
लहरि रूम (रांची) : 80वां स्वतंत्रता दिवस केर अवसर पर विश्वम्भर फॉउंडेशन केर प्रांगण मे राष्ट्रीय ध्वज तिरंगा केर ध्वजारोहण कयल गेल। एहि बेर ध्वजारोहण सेवा निवृत इंजिनियर श्रीकांत झा जी केर कर कमल सँ भेल। एहि अवसर पर श्रीकांत झा जी अपन मनक उदगार व्यक्त करैत उपस्थित लोकनि कें शुभकामना देलनि। फॉउण्डेशन कें सदस्य अमरनाथ झा जी अपन वक्तव्य मे आबय वाला पिढी हेतु ध्वजारोहण आओर झंडोतोलन कें बारे मे जानकारी साँझा करैत स्वतंत्रता दिवस केर महात्मय पर अपन विचार प्रकट कयलनि।

भारत माता की जय आओर वन्दे मातरम केर जयघोष संग राष्ट्रध्वज केर सलामी देल गेल। एहि अवसर पर विशिष्ट अतिथि स्वरूप रांची नगर निगम वार्ड 25 केर पार्षद श्रीमती सुषमा राज संग रिंकू वर्मा, फाउण्डेशन के सचिव नवीन कुमार झा, श्रीकांत झा, अमरनाथ झा, बाबू लाल झा, सुधीर ठाकुर, अभय चौधरी प्रदीप कुमार चौधरी, राजेश झा, बनारस यादव, एस एन यादव विलट पोद्दार, यतीन्द्र दास, अरुण मिश्रा, किशोर झा संग अनेक गणमान्य उपस्थित छला।

