spot_img
Sunday, August 16, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबाबा विद्यापति स्मृति समिति,रांची के कार्यालय परिसर मे भेल ध्वजारोहण

बाबा विद्यापति स्मृति समिति,रांची के कार्यालय परिसर मे भेल ध्वजारोहण

-

लहरि रूम(रांची) : दिनांक 15 अगस्त 2026 क’ बाबा विद्यापति स्मृति समिति के कार्यालय परिसर मे 80वां स्वतंत्रता दिवस धूमधाम सँ मनाओल गेल | स्वतंत्रता दिवस समारोह मे रांची नगर निगम के पूर्व उप मेयर संजीव विजयवर्गिय आ समिति के अध्यक्ष जयंत झा द्वारा संयुक्त रूप सँ ध्वजारोहण कयल गेल | आजुक कार्यक्रम मे विजयवर्गिय अपन संबोधन मे देश केर वर्तमान परिदृश्य पर प्रकाश डालैत समिति के काज के प्रशंसा करैत देश के समस्त नागरिक के 80म स्वतंत्रता दिवस के शुभकामना देलनि । दोसर दिस समितिक अध्यक्ष जयंत झा मैथिल समुदाय आ सनातन धर्मक समस्त अनुयायी केँ स्वतंत्रता दिवसक हार्दिक शुभकामना दैत देशक वर्तमान परिदृश्य पर प्रकाश देलनि । स्वतंत्रता दिवस समारोह मे मैथिल समाजक गणमान्य लोकनि भाग लेलनि । आजुक कार्यक्रम मे समितिक अध्यक्ष जयंत झा, मृत्युंजय झा, संतोष मिश्र, मनोज झा, मनोज सोनी, सत्यम पाण्डेय, अनूप साहू, राहुल गुप्ता, राधेश्याम यादव, प्रेम ठाकुर, सौरभ कुणाल, रंजीत लाल दास, राजीव रंजन, मणिकांत ओझा, जितेन्द्र मिश्र, पवन सोनी, आदि भाग लेलनि आ कार्यक्रम के धूमधाम स मनाओल गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts