spot_img
Tuesday, August 18, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची द्वारा जनकल्याणार्थ महारुद्राभिषेक यज्ञ भेल आयोजित

बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची द्वारा जनकल्याणार्थ महारुद्राभिषेक यज्ञ भेल आयोजित

-

लहरि रूम(रांची) : आइ दिनांक 17 अगस्त 2026 क’ पवित्र साओन मास केर तेसर सोमवारि क’ बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची के कार्यालय मे महारुद्राभिषेक यज्ञ सम्पन्न कयल गेल | आजुक रुद्राभिषेक यज्ञ मे पंडित बिंदु शेखर झा आ यजमान राजेश झा द्वारा महारुद्राभिषेक यज्ञ सम्पन्न भेल | आइ कीर्तन भजन के संग बाबा भोलेनाथ के रुद्राभिषेक यज्ञ मे अनेक श्रद्धालु लोकनि बाबा केर रुद्राभिषेक कयलनि। बाबा भोलेनाथ केर भजनक धुन पर श्रद्धालु लोकनि झूमि- झूमि नृत्य क’ आनंदित भेला यज्ञ सम्पन्न भेला उपरांत समिति केर तरफ सँ प्रसाद वितरण संग भव्य भंडारा केर आयोजन कयल गेल जाहि मे लगभग 500 भक्त के खीर, पुरी आ सबजी के भव्य प्रसाद प्राप्त कयलनि । आजुक आयोजन मे समिति के अध्यक्ष जयंत झा, उदित नारायण ठाकुर, उपाध्यक्ष आशु झा, संगठन सचिव राजेश झा, संतोष मिश्र, वैद्य, मनोज झा, राधेश्याम यादव, मृत्युंजय झा, सौरभ कुणाल, रितुनाथ झा, रंजीत लाल दास, गोपालचंद ठाकुर, जितेंद्र जी मिश्र, अशोक मिश्र, पवन सोनी, मनोज सोनी, अनुप कुमार साहू, सत्यम पाण्डेय, संतोष सोनी, अनुप कुमार गुप्ता संग अनेको मैथिल स्नेही उपस्थित छला |

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts