spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeब्लॉगसुशील मोदी आब राजनीति सँ परहेज : 6 महीना सँ कैंसर सँ...

सुशील मोदी आब राजनीति सँ परहेज : 6 महीना सँ कैंसर सँ पीड़ित

-

बिहार/पटना : भाजपा सांसद सुशील मोदी 4 अप्रैल 2024 बुध दिन कहलनि जे, ओ आगामी लोकसभा चुनाव मे चुनाव नहि लड़ि सकैत छथि, किया कि ओ पिछला छह मास सँ कैंसर सँ लड़ि रहल छथि। भाजपा नेता कहलनि जे, ओ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ सेहो एहि घटनाक्रमक जानकारी देलनि अछि। सुशील अपन सोशल मीडिया अकाउंट केँ माध्यम सँ ई जानकारी प्रेसित कयलनि अछि।

सुशील मोदी सोशल मीडिया फेसबुक आओर ट्वीटर पर केलनि पोस्ट
हिन्दी मे कएल गेल ट्वीट पर सुशील मोदी कहलनि जे, हम पछिला 6 महीना सँ कैंसर सँ जूझि रहल छी। आब समय आबि गेल अछि जे लोक कए कहब। लोकसभा चुनाव मे हम किछु नहि क’ सकब। हम प्रधानमंत्री जी केँ सब किछु कहने छी।”
सुशील मोदी जुलाई 2017 सँ नवंबर 2020 तक बिहार क’ उपमुख्यमंत्री क’ रूप मे काज केलथि। दिसंबर 2020 मे लंबा समय तक बीमारीक कारण अक्टूबर 2020 मे लोक जनशक्ति पार्टी क’ सुप्रीमो रामविलास पासवानक निधन क’ बाद खाली पड़ल सीट कए भरबा लेल बिहार सँ राज्यसभा मे निर्विरोध चुनल गेलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts