मधुबनी (बिहार) : मीडिया सूत्र केँ खबरि सँ जानकारी प्राप्त भ’ रहल अछि जे सूचनाक आधार पर पुलिस द्वारा छापामारी कयल गेल। जाहि मे 1630 लीटर शराब आ सात मोटर संग तीन टा शराब तस्कर केँ हिरासत मे लेल गेल। तीनू तस्कर बिहार केँ मधुबनी जिला केँ कलुआही थाना क्षेत्र केँ कालिकापुर गामक दीपक कुमार, आदेश कुमार सिंह, संतोष कुमार यादव छथि। शराबक मूल्य 1.60 लाख रुपया बताओल जा रहल अछि। पुलिस द्वारा गिरफ्तार आरोपी सबके पूछताछ केँ बाद जेल पठाओल गेल ।
Trending Now
