लहरि रूम : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जें सीट बंटवारा क’ संग-संग I-N-D-I गठबंधन सँ जुड़ल दलक बीच संभावित सत्ता बंटवारा केँ फार्मूला पर सेहो चर्चा भ’ रहल अछि । एहि लोकसभा चुनाव मे I-N-D-I गठबंधन जीत केँ दावा क’ रहल अछि।
लोकसभा चुनाव केँ पहिल चरण मात्र पूरा भ’ गेल अछि मुदा I-N-D-I गठबंधन भारत मे सत्ता केँ बंटवारा पर चर्चा शुरू भ’ गेल अछि। ई वार्ता केँ जानकारी रखै वाला सूत्र केँ अनुसार लोकसभा मे हुनक संख्या केँ आधार पर अलग-अलग राजनीतिक दल केँ शीर्ष नेता सबके प्रधानमंत्री केँ रूप मे ,प्रत्येक पार्टीक लेल एक वर्षक फार्मूला बनाओल गेल अछि यानी अगर I-N-D-I गठबंधन सत्ता मे आबैत अछि त’ संभावना अछि जे पांच साल मे सरकार केँ पांच प्रधानमंत्री भारत मे भेंट सकैत छथि।
Trending Now

पांच साल मे पांच प्रधानमंत्री केँ फार्मूला पर काज क’ रहल अछि I-N-D-I गठबंधन ! : मीडिया सूत्र
-