नई दिल्ली: लोकसभा चुनाव केँ बीच यूट्यूबर मनीष कश्यप भारतीय जनता पार्टी मे शामिल भ’ गेला। आजुक दिन ओ अपन मां केँ संग भाजपा कार्यालय पहुंचलाह आ भाजपा सांसद मनोज तिवारी आ संजय मयूख क’ उपस्थिति मे पार्टी मे शामिल भ’ गेलाह। भाजपा मे शामिल भेला के बाद मनीष कश्यप अपन मां के संग पार्टी अध्यक्ष जेपी नड्डा सं सेहो भेंट कयलनि। भारतीय जनता पार्टी मे शामिल भेलाक बाद मनीष कश्यप कहलनि जे ओ कहियो भाजपा केँ खिलाफ नहि छलाह। ओ राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद केँ परिवार केँ सबस भ्रष्ट परिवार बताबैत कहलनि जे हुनकर लड़ाई लालू परिवार कें खिलाफ छल, अछि आ जारी रहत।
मनीष कश्यप कहला जे बिहार क’ मजबूत करय पड़त। आब हम भाजपा सँ बिहार कए मजबूत करब। एकर संग संग ओ भाजपा मे शामिल भेलाक बाद लोकसभा चुनाव मे सेहो नहि लड़बाक घोषणा सेहो केने छथि। एहि अवसर पर मनोज तिवारी कहला जे जन सरोकार उठबैत मनीष कश्यप सन व्यक्ति भाजपा क’ संग छथि। मनीष कश्यप केँ हम जनैत छी, गरीब केँ कल्याण चाहैत छथि आ गरीब केँ कल्याण करय लेल पीएम मोदी सँ जुड़ल छथि। हम सब हुनकर बहुत ध्यान आ सम्मान करब। हुनकर भूमिका जल्दिये तय भ’ जायत।