
लहरि रूम (रांची ) : विगत किछु दिन सँ राजनीतिक घटनाक्रम चलैत छल जाहि बुझना गेल छल किछु त’ होमय वला अछि। मोदी जी संग भाजपा कें सब नेता लोकनि अपन-अपन काफिला मे गाड़ी केँ संख्या मे कमी कयला। भाजपा शासित राज्य मे सेहो एक तरह सँ एहि नियम केँ पालन करय लागल। नव नियुक्त बिहार केँ मुख्यमंत्री त’ आई NO Vehicle Day घोषणा कयलनि आ हुनका संग बिहार सरकार बेसी बेसी अधिकारी संग कर्मचारी लोकनि पैदल या साईकिल सँ कार्यालय पहुँचला अछि।

बुद्धजीवी लोकनिक प्रतीक्षा भेलिन समाप्त
जाहि दिनक प्रतीक्षा हमर देशवासी करैत आबि रहल छल, आखिरकार आबि गेल। पश्चिम एशियाई संकट के कारण दुनिया भर के सरकार पेट्रोल आओर डीजल के दाम मे भारी बढ़ोतरी केलक अछि, मुदा मोदी सरकार चारि राज्य केँ चुनाव तक एको रूपया नहि बढ़ौने छल। चारि राज्य केँ चुनाव केँ मध्य भारत केँ किछु पडोसी देश मे पश्चिम एशिया मे संकट प्रारम्भ भ’ गेल छल जाहि कारण सँ पेट्रोल आ डीजल केर मे दाम दू-तीन गुना बढ़ी गेल छल , मुदा भारत मे पेट्रोल आ डीजल केर दाम मे अखन तीन-तीन रुपया आ CNG मे 2 रुपया / KG के बढ़ोत्तरी कयल गेल अछि । महत्वपूर्ण बात ई जे भारत शायद दुनिया के एकमात्र एहन देश अछि जतय अप्रैल 2022 सँ पेट्रोल आओर डीजल के दाम स्थिर अछि। मुदा मार्च 2024 मे लोकसभा चुनाव ससँ ठीक पहिने पेट्रोल आओर डीजल दुनू के दाम मे दू रुपया प्रति लीटर के एकमुस्त कमी आबि गेल छल। पेट्रोल कें अंतिम दर वृद्धि अप्रैल 2022 मे भेल छल।
निकट भविष्य मे आओर दाम बढ़बाक अछि सम्भवना !
अपने सबके जानकारी दी जे सूत्र केँ अनुसार तेल मार्केटिंग कंपनी सब पेट्रोल आ डीजल के दाम में 16 सँ 17 रुपया प्रति लीटर के बढ़ोतरी के मांग सरकार सँ केने छल, मुदा मात्र तीन रुपया के बढ़ोतरी भेल अछि। एहि कारण सन गंभीर प्रश्न उठैत अछि जे की आगामी दिन मे पेट्रोल आ डीजल केर दाम आओर बढ़त ? संभव अछि जे सरकार एके बेर मे पैघ झटका देबय केँ बजाय पेट्रोल आ डीजल क दाम मे धीरे-धीरे बढ़ोतरी क’ स्वीकृति द’ सकैत अछि।

