spot_img
Friday, May 15, 2026
spot_img
Homeब्लॉगमैथिली भाषा संघर्ष समिति झारखंड द्वारा रोजगार नीति आ शिक्षक पात्रता परीक्षा...

मैथिली भाषा संघर्ष समिति झारखंड द्वारा रोजगार नीति आ शिक्षक पात्रता परीक्षा (JTET) मे मैथिली भाषा कें सम्मलित करबाक हेतु झारखण्ड सरकार कें अनुशंसा समिति को ज्ञापन सौपल गेल ।

-

लहरि रूम (रांची ) : झारखंड स्कूल शिक्षा आ साक्षरता विभाग झारखंड द्वारा झारखंड शिक्षक पात्रता परीक्षा (JTET) मे आदिवासी आ क्षेत्रीय भाषा सबके जिलावार सूची प्रकाशित कयल गेल अछि , जाहि मे मैथिली भाषा के नियमावली मे सम्मलित नहि कयल गेल अछि। एहि कें उपरांत झारखंड कैबिनेट के द्वारा उक्त नियमावली के स्वीकृति भेटल आ परीक्षा हेतु आवेदन प्रक्रिया सेहो शुरू भ’ गेल।कैबिनेट केर एहि फैसला के विरुद्ध विभिन्न सामाजिक आ भाषाई संगठन के आक्रोश के आलोक मे झारखंड सरकार द्वारा 28 अप्रैल 2026 क’ आयोजित झारखण्ड सरकार केँ कैबिनेट केर बैसार मे पांच सदस्यीय अनुशंसा समिति के गठन कयल गेल ।

एहि क्रम मे 13 मई 2026 क’ मैथिली भाषा संघर्ष समिति, झारखंड कें राज्य महासचिव पंकज कुमार झा केर नेतृत्व मे एकटा प्रतिनिधिमंडल अनुशंसा समिति कें सदस्य, ग्रामीण विकास कें मंत्री दीपिका पांडेय सिंह आ शहरी विकास कें मंत्री सुदीब्य कुमार सँ भेंट क’ हुनका ज्ञापन सौंपल गेल ।प्रतिनिधिमंडल समिति सदस्य लोकनिक द्वारा मैथिली भाषा के प्राचीनता आ साहित्यिक समृद्धि, भारतीय संविधान के अष्टम अनुसूची मे एकर मान्यता, आ झारखंड मे द्वितीय राजभाषा के रूप मे एकर दर्जा के बारे मे विस्तृत जानकारी देल गेल । अपन सात सूत्री ज्ञापन मे प्रतिनिधिमंडल द्वारा रोजगार नीति आ JTET मे मैथिली कें सम्मलित करबाक मांग कें तथ्यात्मक आ न्यायसंगत बतैलकै संगहि राज्य सरकार सँ आग्रह कैल गेल जे मैथिली भाषा केर संरक्षण आ संवर्धन लेल आवश्यक आ सकारात्मक पहल सरकार कें तरफ सँ कयल जाय ।

समिति द्वारा इहो स्पष्ट कयल गेल जे 2023 मे तत्कालीन राज्यपाल सी.पी. राधाकृष्णन, रोजगार नीति आ JTET मे मैथिली भाषा कें उचित स्थान दिएबाक हेतु लगभग 7000 मैथिल केर हस्ताक्षर युक्त ज्ञापन सौपल गेल छल । संगहि 20 जून 2025 क’ समिति दीपिका पाण्डेय सिंह सँ भेंट क’ प्राथमिक आ माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा मे मैथिली क’ अनिवार्य रूप सँ सम्मलित करबाक हेतु आग्रह कयल गेल छल ।

संघर्ष समिति के एहि महत्वपूर्ण अभियान के सफल बनेबा मे विद्यापति परिषद, बागबेड़ा के अध्यक्ष अनूप मिश्रा जी के अग्रणी भूमिका छल | संगहि, रांची सँ अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषदक अध्यक्ष अमरनाथ झाक संग जमशेदपुरक प्रमुख मैथिली संस्था-मिथिला सांस्कृतिक परिषद्, परमहंस लक्ष्मीनाथ गोस्वामी समिति, आ विद्यापति परिषद, बागबेड़ा अधिकारी लोकनि सेहो सक्रिय भूमिका मे छला ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts