spot_img
Thursday, May 7, 2026
spot_img
Homeटटका खबरि'वन्दे मातरम' गीत बनै राष्ट्र्गान - मोदी सरकार केरकैबिनेट केर फैसला !

‘वन्दे मातरम’ गीत बनै राष्ट्र्गान – मोदी सरकार केरकैबिनेट केर फैसला !

-

लहरि रूम (नई दिल्ली) : पश्चिम बंगाल आओर असम मे प्रचण्ड विजय केर उपरांत नरेंद्र मोदी के अध्यक्षता मँ केंद्रीय मंत्रिमंडल (कैबिनेट) द्वारा वंदे मातरम गीत कें राष्ट्रगान जन-गण-मन के बराबर दर्जा दै के प्रस्ताव केँ मंजूरी द’ देल गेल । ई फैसला मंगल दिन चारि राज्य आ एक केंद्र शासित प्रदेश – पश्चिम बंगाल, तमिलनाडु, केरल, असम, आरू पुडुचेरी के चुनाव परिणाम के बाद आयोजित पहिल कैबिनेट कें बैसार मे लेल गेल । मंत्री सब सेहो प्रधानमंत्री केँ बधाई दैत पश्चिम बंगाल मे जीत कें ऐतिहासिक बतौलनि । अधिकारी सब के अनुसार सरकार राष्ट्रीय सम्मान के अपमान निवारण कानून मे संशोधन के मंजूरी द’ देलक अछि जाहि सँ वंदे मातरम गीत के ओहि कानूनी ढाँचा में आनल गेल अछि जे वर्तमान मे राष्ट्रगान के रक्षा करैत अछि। एक बेर लागू भेला पर वंदे मातरम के गायन के दौरान कोनो तरहक अनादर या बाधा केँ संज्ञेय अपराध मानल जायत।

उम्मीद अछि जे एहि प्रस्तावित संशोधन कें अतिशीघ्र संसद मे प्रस्तुत कैल जाएत। जं ई प्रस्ताव पारित होइत अछि , त॑ भारत अपन राष्ट्रीय प्रतीकऽ कें कानूनी तौर पर कोना मान्यता दैत अछि आ ओकर कोना संगरक्षित करैत अछि ताहि केर तरीका मे मे एकटा पैघ बदलाव केर प्रस्तुति होयत ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts