लहरि रूम (रांची) : कोलहान टाइगर केँ नाम सँ लोकप्रिय पूर्व मुख्यमंत्री चंपाई सोरेन एक बेर फेर सँ दिल्ली दौरा पर छथि। दिल्ली मे भारतीय जनता पार्टी केँ वरिष्ठ नेता आ केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह सँ भेंट केँ बाद चम्पाई सोरेन अगिला राजनीतिक कदम पर निर्णायक फैसला केलनि। चम्पाई सोरेन केँ संग असम केँ मुख्यमंत्री हिमंत विश्व सरमा सेहो अमित शाह सँ भेंट केलनि। मीडिया सूत्र केँ अनुसार बाद मे हिमंत विश्व सरमा कहला जे चम्पाई सोरेन 30 अगस्त क’ रांची मे औपचारिक रूप सँ भाजपा मे शामिल हेताह। एहि सँ पहिने रांची सँ दिल्ली जाइत काल हिमंत विश्व सरमा स्वीकार केलनि जे चम्पाई सोरेन सँ पांच-छह महीना सँ बातचीत भ’ रहल छल। आब चम्पाई सोरेन झामुमो छोड़बाक निर्णय कयने छथि।
Trending Now
