spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिसिमडेगा केँ चुनावी आम सभा सँ झारखण्ड विधानसभा चुनावी रण 'राहुल गाँधी'...

सिमडेगा केँ चुनावी आम सभा सँ झारखण्ड विधानसभा चुनावी रण ‘राहुल गाँधी’ केँ भेलनि पदार्पण

-

लहरि रूम (रांची ) JHARKHAND VIDHANSABHA CHUNAV -2024 :कांग्रेस नेता राहुल गांधी सिमडेगा मे चुनावी सभा केँ संबोधित केलनि। ओ भाजपा पर आदिवासी केँ ‘वनवासी’ कहि संविधान केँ अपमान करबाक आरोप लगौलनि। राहुल गांधी कहलनि जे भाजपा आदिवासीक जमीन छीनय चाहैत अछि। कांग्रेस सरकार बनला पर आदिवासी क’ हित केँ रक्षा करबाक वादा केलथि।

राहुल गांधी कहलनि- हम अहाँ सब ‘आदिवासी’ कहैत छी, मुदा भाजपा अहाँ केँ ‘वनवासी’ कहैत अछि। अंग्रेज सेहो अहाँकेँ वनवासी कहैत छल, तखन बिरसा मुंडा जी अंग्रेजसँ अहाँ सभहक जल , जंगल आ जमीनक रक्षाक लेल लड़ला । आइ हमहूँ अहाँक अधिकारक लेल लड़ि रहल छी। भाजपा अहाँक जल , जंगल आ जमीन छीनय चाहैत अछि, ताहि लेल ओ अहाँ केँ वनवासी कहैत अछि। आदिवासी माने देशक पहिल मालिक। जखन कि वनवासी हेबाक मतलब अछि जे देश मे अहाँक कोनो अधिकार नहि अछि। मुदा अहाँ आदिवासी छी आ देश पर अहाँक पहिल अधिकार अछि।

संविधान मे कतहु ‘वनवासी’ शब्द नहि भेटत। संविधान बनेनिहार लोकनि सेहो वनवासीक बदला ‘आदिवासी’ शब्दक प्रयोग केलनि । कारण ओ सभ कहय चाहैत छलाह जे जल, जंगल आ जमीनक असली मालिक आदिवासी छथि । बिरसा मुंडा जी सेहो ओही पानि, जंगल आ जमीन लेल लड़लनि। आइ लड़ाई संविधान बचेबाक अछि। एक दिस ओ लोक छथि जे अहाँ केँ आदिवासी कहैत छथि आ अहाँक सम्मान करैत छथि । दोसर दिस एहन लोक सेहो छथि जे अहाँ केँ वनवासी कहैत छथि आ जे किछु अहाँक अछि से छीनय चाहैत छथि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts