spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिमोदी कें हनुमान 'चिराग पासवान' बनेलइन मन - हुनक पार्टी 243 विधानसभा...

मोदी कें हनुमान ‘चिराग पासवान’ बनेलइन मन – हुनक पार्टी 243 विधानसभा सीट पर चुनाव लड़त !

-

लहरि रूम (पटना) : राजगीर मे लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) के राष्ट्रीय अध्यक्ष चिराग पासवान के बैसार मे अचानक भीड़ बेकाबू भ गेल। आयोजन स्थल पर भेल झगड़ा आ अराजकता के बीच चिराग पासवान के फॉर्च्यूनर कार क्षतिग्रस्त भ’ गेल। मौका पर तेजस्वी यादव पर कटाक्ष करैत चिराग कहला जे, जमीन रजिस्ट्री करबै वला लोक सब आब कलम बांट रहल छथि, ई बात पचबा योग्य नहि अछि। चिराग पासवान सीधा विपक्षी दल आ नेता पर हमला केलनि । ओ कहलनि जे, विपक्ष कतबो बल प्रयोग करय, हुनकर संकल्प “बिहार फर्स्ट, बिहारी फर्स्ट” सं हुनका नहि रोकि सकैत अछि।

नालंदा सँ कयलनि चुनावी शंखनाद
चिराग कहला जे जखन हम बिहार अबैत छी त’ किछु लोक क चिंता बढ़ि जाइत अछि। इ वैह लोक छथि जे 90 के दशक मे लाखों बिहारी के पलायन करय लेल मजबूर क देने छला। तेजस्वी यादव पर प्रहार करैत ओ कहलनि जे पहिने जखन नौकरी भेटैत छल त’ गरीब आ बहुजन के जमीन छीन लेल जाइत छल। आब फेर नौकरी देबाक चर्चा भ’ रहल अछि, त’ जनता के इ पूछबाक चाही जे एहि बेर बदला मे की छीनल जायत? संगहि ओ कहला जे हुनकर मकसद बिहार के जनताक अधिकारक लेल निस्वार्थ भाव सँ लड़ब अछि। चिराग कहलनि जे हम बहुजन के अधिकार के रक्षा के लेल ढाल के रूप मे ठाढ़ छी।”

243 विधानसभा सीट पर चुनाव लड़त हुनक पार्टी !
सभा सँ ओ एकटा पैघ घोषणा करैत कहला जे लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) बिहार कें सबटा 243 विधानसभा सीट पर चुनाव लड़त। ओ कहला जे जतय कतहु गठबंधन कें सहयोगी हेता , ओतहु चिराग पासवान कें चेहरा बना क’ लड़ाई लड़ल जायत, जाहि सँ बिहार नंबर वन बनि सकैत अछि आ बिहारी नंबर वन बनि सकैत अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts