spot_img
Thursday, May 14, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिपश्चिम बंगाल के सब विद्यालय के प्रार्थना सभा मे 'वंदे मातरम' गायन...

पश्चिम बंगाल के सब विद्यालय के प्रार्थना सभा मे ‘वंदे मातरम’ गायन अनिवार्य, 18 मई सँ नियम होयत लागू !

-

लहरि रूम (रांची ) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे पश्चिम बंगाल शिक्षा विभाग द्वारा सब स्कूल आ शैक्षणिक संस्थान सबके निर्देश जारी कयल गेल अछि । जाहि मे राज्य के सब सरकारी आ सरकारी सहायता प्राप्त स्कूल मे भोरका प्रार्थना सभा के दौरान ‘वंदे मातरम’ गायन अनिवार्य भ’ जायत। ई नियम सोमदिन 18 मई सं लागू होएत। निजी विद्यालय सँ सेहो आग्रह कएल गेल अछि जे ओ राष्ट्रगान कए प्रार्थना सभा मे शामिल करथि।

‘वंदे मातरम’ की अछि इतिहास ?
‘वंदे मातरम’ के रचना बंकिम चंद्र चटर्जी केने छलाह । एकर प्रकाशन पहिल बेर 7 नवम्बर 1875 क’ साहित्यिक पत्रिका बंगादर्शन मे भेल छल ।1905 मे कोलकाता मे वंदे मातरम सम्प्रदाय केँ स्थापना भेल छल जे मातृभूमि क’ पूजा कें रूप मानैत छल । एहि सम्प्रदाय सँ जुड़ल लोकनि कें द्वारा प्रत्येक रविदिन प्रभातफेरी निकालि वंदे मातरम गबैत जायत छल । एहि प्रभातफेरी मे रवीन्द्रनाथ टैगोर सेहो सम्मलित होइत छला

1906 मे बिपिन चंद्र पाल आ अरविंदो द्वारा संपादित अखबार वंदे मातरम केर शुभारंभ भेल, जाहि सँ देश मे आत्मनिर्भरता, एकता, आ स्वतंत्रताक भावना उत्पन्न भेल । वन्दे मातरम ब्रिटिश शासन के विरुद्ध भारतीय एकता के प्रतीक बनल | अतः 1950 मे संविधान सभा एकरा भारतक राष्ट्रगीत के रूप मे मान्यता देने छल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts