
सुप्रीम कोर्ट बुझलक समस्या : लेकिन केंद्र सरकार केँ विपक्ष बुझय लेल तैयार नहि !
लहरि रूम (नई दिल्ली) : सुप्रीम कोर्ट द्वारा आई शुक्रदिन क’ जून आ जुलाई मे आंशिक कामकाजी दिन के दौरान सोम आ शुक्र दिन क’ अनिवार्य रूप सँ वर्चुअल सुनवाई के आदेश देल गेल आ पश्चिम एशिया मे लंबा समय तक चलै वाला भू-राजनीतिक संकट सँ उत्पन्न भ’ ईंधन संरक्षण के चिंता के हवाला दैत अपन 50% तक रजिस्ट्री कर्मचारी केँ सप्ताह मे दू दिन घर सँ कार्य सम्पादित करबाक आदेश देलक अछि। सुप्रीम कोर्ट के जज सेहो ईंधन केर खपत कम करय लेल कारपूलिंग के अभ्यास करय के फैसला कयलनि अछि। आई शुक्र दिन कें प्रातः काल वैश्विक कच्चा तेल केर दाम मे भारी बढ़ोत्तरी आ भारत केर बढ़ैत ऊर्जाक चिंता के आलोक मे सम्पूर्ण कोर्ट केर महत्वपूर्ण बैसारक उपरांत भारत केर मुख्य न्यायाधीश (सीजेआई) सूर्य कांत के निर्देश पर निर्णय लेल गेल । सुप्रीम कोर्ट केर महासचिव भरत पराशर द्वारा आई शुक्र दिन क’ जारी एकटा सर्कुलर मे कहल गेल अछि जे कि सोम, शुक्र या अन्य दिन केर विविध दिन घोषित करल जाय वाला विविध दिन पर सूचीबद्ध सब मामला के संग-संग कोर्ट केर आंशिक कार्य दिवस मे सूचीबद्ध मामला के सुनवाई केवल वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग के माध्यम सँ कराओल जायत ।


