spot_img
Saturday, May 30, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिकी टीम इंडिया डेब्यू के लेल तैयार छथि, वैभव सूर्यवंशी ?

की टीम इंडिया डेब्यू के लेल तैयार छथि, वैभव सूर्यवंशी ?

-

लहरि रूम(रांची) : लगभग चारि दशक सँ क्रिकेट केर खेल हमरा संग अहुँ सब सम्भवतः देखैत होयब। चारि दशक एहि कारण सँ कहलहुँ जे प्रायः चारि दशक पूर्व सँ घर मे टीवी केर उपलब्धता भेनाइ आरंभ भ’ गेल छल। आब त’ मोबाइल केर प्रचलन एहन भ’ गेल जाहि सँ बुझु हाथे-हाथ टीवी बुझु। अश्तु, भारतीय क्रिकेट जगत मे नीक नीक खिलाडी केर नाम छल जाहि मे कपीलदेव, सुनील गवास्कर पूर्व काल मे छल लेकिन हुनका जना बनब बिहार, उत्तर प्रदेश आ पूर्वांचल केर लोग केँ बननाइ बड़ा दिक्कत वला बात छल। फेर एकटा दशक एहन आयल जाहि मे सब सँ कम आयु खिलाडी स्वरुप भारत मे क्रिकेट कें भगवानक उपाधि लेबय वला खिलाड़ी सचिन तेंदुलकर बनला। उत्तरप्रदेश, बिहार आ झारखण्ड एहन राज्य ओहि क्रम मे किछु बच्चा सबहक मन मे सेहो क्रिकेट खिलाडी बनबाक उत्कंठा जागल। मुदा रास्ता जे छल ओ बड़ा संघर्षशील छल। ओहि क्रम झारखण्ड क्रिकेट एसोसिएशन केर अध्यक्ष एकटा मैथिल आईपीएस स्व. अमिताभ चौधरी जी बनला। हिनक अथक प्रयास केर कारण सँ झारखण्ड केर राजधानी मे क्रिकेट स्टेडियम स्थापित भेल आ झारखण्ड केर राजधानी सँ महेंद्रसिंह धोनी जेहन क्रिकेटर भारतीय टीम मे भेटल। धोनी केर क्रिकेट जगत मे अयला सँ बिहार आ झारखण्ड मे जना क्रिकेट एकेडमी केर बाइढ़ आबि गेल। अभिभावक सब सेहो अपन-अपन बच्चा केँ क्रिकेटर केँ रूप मे देखय लगला। क्रिकेट खेल केर फॉर्मेट मे सेहो रूपांतर भेलइ। नव-नव प्रतिभा केर मौका देबाक लेल IPL प्रारंभ भेल।

अहि सबके देखैत बिहार केँ मिथिला क्षेत्र केर समस्तीपुर जिला केर ताजपुर गामक एकटा बच्चा जे मात्र चारि वर्ष सँ अपन क्रिकेट केर अभ्यास करैत छल ओ वर्तमान मे भारतीय क्रिकेट केँ फॉर्मेट केँ बदलैत सम्पूर्ण विश्व मे अपन बैटिंग केर लोहा मनेलक। ओहि बच्चा केर नाम प्रत्येक क्रिकेट प्रेमी केर हृदय स्थल मे उतरि गेल छनि। हुनक नाम वैभव सूर्यवंशी छथि। हुनक बैटिंग केँ बदौलत अंडर 19 वर्ल्ड कप (U19 world cup 2026) कें फाइनल इंग्लैंड केर विरुद्ध भारत जीत क’ आयल। जनवरी 2025 हिनक प्रतिभा केर देखैत हिनका महामहिम राष्ट्रपति केँ कर कमल सँ राष्ट्रिय बाल पुरस्कार सँ सेहो सम्मानित कयल गेलनि।

सचिन, धोनी आ विराट केर युगक अंत
एकटा समय छल जखन जे बच्चा सब क्रिकेट खेलाइत छल ओहि बच्चा सब पुछला पर जे केकरा जका क्रिकेट बनब त’ कहैत छल सचिन बनब, धोनी बनब या विराट कोहली बनब। लेकिन जहिया सँ मिथिला केर लाल वैभव सूर्यवंशी बल्ला घुमय लागल अछि तहिया सँ सब बच्चा सब सूर्यवंशी बनय चाहैत छथि क्रिकेट जगत मे।

अहि बेरक टाटा आईपीएल 2026 मे वैभव सूर्यवंशी राजस्थान रॉयल्स केर तरफ सँ अपन बल्लेबाजी केर प्रदर्शन करैत छला…………
राजस्थान रॉयल्स केर आईपीएल 2026 केर ट्रॉफी जीतै के सपना क्वालीफायर 2 मे गुजरात टाइटन्स के हाथ सँ 7 विकेट के जबरदस्त पराजय के संग चकनाचूर भ’ गेल । राजस्थान रॉयल्स केर प्रशंसक सबके एहि सँ निराशा भेलनि मुदा एहि मैच मे सेहो वैभव सूर्यवंशी अपन उत्कृष्ट खेल केर प्रदर्शन कयलनि। सचिन तेंदुलकर, महेंद्र सिंह धोनी, सुरेश रैना, युवराज सिंह, मुहमद कैफ संग अनेको विश्व विख्यात क्रिकेटर हिनक खूब प्रशंसा कयलनि। आईपीएल 2026 मे राजस्थान रॉयल्स केर कोच कुमार संगक्कारा केँ जखन प्रश्न पूछल गेल “की 15 साल केर वैभव सूर्यवंशी सीनियर भारतीय टीम मे डेब्यू करबाक लेल तैयार छथि ?” श्रीलंका केरऽ दिग्गज पूर्व कप्तान कुमार संगक्कारा बिना कोनो संकोच के बहुत रोचक आ बेबाक जवाब देलनि ।

“की 15 साल केर वैभव सूर्यवंशी सीनियर भारतीय टीम मे डेब्यू करबाक लेल तैयार छथि ?” संगक्करा के जवाब

कुमार संगकारा 2021 सँ राजस्थान रॉयल्स सँ प्राप्त कयल अनुभव के आधार पर कहलनि कि जखन तक कोनो खिलाडी वास्तव मे अंतरराष्ट्रीय स्तर पर नहि खेलाइत अछि , ताबय तक ई सिद्ध नहि होइत अछि । मुदा जखन वैभव सूर्यवंशी के बात आबैत अछि तखन संगकारा केर अहि बात सँ सहमत छथि जे वैभव सूर्यवंशी मे एकटा नीक बल्लेबाजक प्रवृत्ति छनि , कारण IPL 2026 कें सीजन मे दुनिया केर सर्वश्रेष्ठ गेंदबाज सबके खूब नीक जकाँ समानां कयलनि। ताहि द्वारा भारतीय क्रिकेट केँ सीनियर टीम मे केलेबाक लेल कोनो व्यवधान नहि हेबाक चाही।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts