spot_img
Sunday, May 31, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिIMD Weather Alert: : बिहार -झारखण्ड सहित 19 राज्य मे मौसम बदलाव...

IMD Weather Alert: : बिहार -झारखण्ड सहित 19 राज्य मे मौसम बदलाव केर संभावना , सावधान रहू !

-

लहरि रूम (पटना) : उत्तर भारत के मौसम एक बेर फेर बदलय वाला अछि। मई केर आखिरी सप्ताह मे जे बदलाव देखल गेल अछि , ओ जून मास कें प्रथम सप्ताह तक जारी रहबाक संभावना अछि । मौसम विभाग 1 जून क’ बिहार, झारखण्ड , दिल्ली आ उत्तर प्रदेश सहित 19 राज्य मे गरज आ भारी बरखा केँ चेतावनी जारी केलक अछि ।

हवा 90 किमी/घंटा तक के रफ्तार सँ बहत, जाहि मे ओला पड़य के संभावना अछि। IMD के अनुसार बरसात के संग संग 90 किलोमीटर प्रति घंटा तक के रफ्तार सँ हवा के संग भयंकर तूफान के संभावना अछि। मौसम विभाग द्वारा किसान आ मछुआरा सबके नदी केर कात मे अनावश्यक रूप नहि जेबाक सलाह देल गेल अछि। कारण संभावना अछि जे ई तेज तूफान सँ गाछ-बिरिछ आ पौधा सब उखड़ि सकैत अछि । एहि केर अलावा किछु राज्य मे पाथर (ओला) चेतावनी जारी करल गेल अछि । पहाड़ी इलाका के यात्रा करय वाला के सेहो सलाह देल गेल अछि जे ओ प्रस्थान करय सँ पहिने मौसम के तत्काल जानकरी प्राप्त क’ लैथ।

19 राज्य लेल अलर्ट जारी
मौसम विभाग द्वारा बिहार,झारखंड, उत्तर प्रदेश, दिल्ली, पश्चिम बंगाल, ओडिशा, छत्तीसगढ़, मध्य प्रदेश, राजस्थान, हरियाणा, पंजाब, उत्तराखंड, हिमाचल प्रदेश, जम्मू-कश्मीर, तमिलनाडु, केरल, असम, त्रिपुरा, आ नागालैंड। एहि दौरान पूर्वी राज्य मे बिजलोका केँ चमकब आ मेघक गरजब सेहो संभव अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts