
लहरि रूम (रांची): विश्व पर्यावरण दिवस पर विश्वम्भर फाउंडेशन,रांची द्वारा कुंदन सिंह केर संयोजन मे वृक्षारोपण के आयोजन कैल गेल | ई आयोजन रांची जिला के वसंत विहार के हरमू मे स्थित भगवती एम्पायर केर प्रांगण मे सम्पन्न भेल । आम, अमरूद, नीम, जामुन, आ अशोक जेहन पौधा केर वृक्षारोपण फाउंडेशनक संचालन समितिक सदस्य लोकनि द्वारा कयल गेल छल | एहि अवसर पर संचालन समितिक सदस्य अयोध्यानाथ मिश्र कहलनि जे विश्व पर्यावरण दिवस पर गाछ रोपब कोनो पैघ बात नहि , लक्ष्य एकटा गाछ रोपनाय आ ओकर सुरक्षा करनाय छैक ताकि इ सुनिश्चित कैल जा सकय कि ओ बेहतर गाछ मे बढ़य। फाउंडेशन के तरफ सं एहि गाछ के संरक्षण के पर्याप्त व्यवस्था अछि, जाहि कारण सँ एहि ठाम हर साल एकटा गाछ रोपला सँ एकटा विशेष आनंद भेटैत अछि. संयोजक कुंदन सिंह कहलनि जे, हम सब फाउंडेशन के माध्यम सँ प्रत्येक वर्ष गाछ रोपैत छी आ ओकर सुरक्षा सुनिश्चित करबाक प्रयास करैत छथि।जँ प्रकृति केँ बचेनाइ अछि त’ ओकर मात्र एकटा उपाय अछि वृक्षारोपण। एहि अवसर पर फाउण्डेशन सचिव नवीन कुमार झा, संचालन समिति के सदस्य अयोध्यानाथ मिश्र, अरुण कुमार झा, अमर नाथ झा, विनोदानंद झा, विद्यानंद ठाकुर, प्रदीप चौधरी, संयोजक कुंदन सिंह, रणधीर झा, बबलू केर संग किशोर झा उपस्थित छला |


