
लहरि रूम (रांची) : भारतीय जनता पार्टी केर राष्ट्रीय अध्यक्ष बनला के बाद नितिन नवीन अपन पहिल दू दिनक झारखंड यात्रा पर आइ (शनिदिन) रांची पहुंचलाह। रांची हवाई अड्डा पर हुनकर स्वागत भाजपा केर सांसद आ विधायक केर संग पांच टा पूर्व मुख्यमंत्री सेहो केलथि। अपन दू दिनक यात्राक दौरान नितिन नवीन पार्टीक सांसद आ विधायक सभक संग बैसार केलनि , जाहि मे राज्यसभा चुनाव लेल पार्टीक रणनीति पर चर्चा भेल ।

सांसद एवं विधायक केर संग बैसार
रांची हवाई अड्डा पहुंचला कें उपरांत नितिन नवीन भारत रत्न जननायक कर्पूरी ठाकुर, धरती आबा भगवान बिरसा मुंडा, आ पार्टी के वरिष्ठ नेता कैलाशपति मिश्र के मूर्ति पर पुष्प अर्पित क’ श्रद्धांजलि देलनि. श्रद्धांजलि देला के बाद ओ हरमू रोड स्थित पार्टी के राज्य मुख्यालय पहुंचलाह, जतय ओ सांसद आ विधायक के संग बैसार के अध्यक्षता केलनि। बैसार मे संगठनात्मक गतिविधिक समीक्षा आ भविष्यक राजनीतिक आ जनसंपर्क कार्यक्रम पर चर्चा कयल गेल। अखन राज्यसभा केर चुनाव अछि ताहि पर विशेष चर्चा भेल होयत।
नितिन नवीन काल्हि इस्पात नगरी ‘बोकारो’ केर दौरा करताह।
अपन यात्रा के दोसर दिन भाजपा प्रमुख बोकारो स्टील सिटी के दौरा करताह, जतय ओ पार्टी कार्यकर्ता प्रीतम सिन्हा केर घर पर जेताह। एहि यात्रा मे ओ स्थानीय पार्टी कार्यकर्ता आ नेता सब सँ गप-सप क’ संगठनात्मक गतिविधि पर चर्चा करताह।

