
लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड पुलिस कैडर कें एकटा नाम IPS सुरेंद्र कुमार झा। जिनक नाम लेला सँ झारखण्ड मे रहनिहार प्रत्येक मैथिल के छाती गर्व सँ चौड़ा भ’ जाइत छैक। झारखण्ड कैडर कें आईपीएस सुरेंद्र कुमार झा जी कें केंद्रीय प्रतिनियुक्ति पर बॉर्डर सेक्युरिटी फोर्स (BSF) मे डीआईजी बनाओल गेल अछि।

झारखण्ड कैडर मे अपन प्रारंभिक काल श्री झा गिरिडीह , धनबाद, कोडरमा आ चतरा मे एसपी आओर रांची जिला मे एसएसपी रहला। किछु दिन ATS मे कार्यरत रहि ATS केँ नव आयाम देला। तदोपरांत बोकारो DIG पुनः रांची मे कार्मिक DIG रहैत केंद्रीय प्रतिनियुक्ति पर सिमा सुरक्षा बल केर डीआईजी बनला। सुरेंद्र कुमार झा (IPS) केर पुलिस वीरता पदक सेहो प्राप्त भेल छनि।


