नई दिल्ली (श्वेता झा केँ रिपोर्ट) :आकाश सँ आगिक बरखा के कारण उत्तर भारत उबलि रहल अछि।दिनाँक 28 मई क’ राजस्थान केँ चुरू मे सेहो पारा 50 डिग्री सेल्सियस पार क’ गेल अछि। अन्य शहर मे सेहो तापमान 48 सँ 49 डिग्री केँ आसपास दर्ज कयल गेल । दिल्ली मे सेहो तापमान 50 डिग्री छूबय वला छल संगहि यूपी केँ झांसी मे दिन केँ तापमान 49 डिग्री रहल। आगरामे 48.6 डिग्री आ वाराणसीमे 47. डिग्री रहल अछि । अंचल मौसम विज्ञान केंद्र लखनऊ केँ वैज्ञानिक अतुल कुमार सिंह केँ अनुसार उत्तर प्रदेश मे मई महीना मे एतेक गर्मी कहियो नै भेल अछि।
अगिला दू दिन धरि गर्मीक लहरि सँ कोनो राहत नहि भेटत
पहाड़ी राज्य मे सेहो गर्मी तबाही मचा रहल अछि। जम्मू-कश्मीर केँ जम्मू डिवीजन मे पारा 43 डिग्री तक पहुंच गेल अछि। एकर कारण स्कूल मे छुट्टी घोषित करय पड़ल। हिमाचल के उना मे पारा ४४ डिग्री पार क’ गेल अछि ।