spot_img
Thursday, May 7, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिपूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ सुपुत्र निशांत कुमार वर्तमान बिहार सरकार मे...

पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ सुपुत्र निशांत कुमार वर्तमान बिहार सरकार मे बनि सकैत छथि मंत्री – सम्भवना !

-

लहरि रूम (पटना) : की नीतीश कुमार अपन बेटा के मंत्री बनेबा लेल तैयार भ गेल छथि? की निशांत कुमार सेहो मंत्री बनय लेल राजी भ’ गेल ? खबर अछि जे बीतल देर राति जदयू के नेता नीतीश कुमार आओर हुनकर बेटा निशांत के मंत्री पद के स्वीकार करय लेल मना लेल गेल अछि। बिहार मे सम्राट चौधरी केर सरकार कें मंत्रिमंडलक विस्तार 7 मई (काल्हि ) होमय वला अछि । एहि केर भव्य तैयारी पटना के गांधी मैदान मे कयल जा रहल अछि।

मीडिया रिपोर्ट के अनुसार मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी के मंत्रिमंडल मे नीतीश कुमार के बेटा निशांत कुमार मंत्री के रूप मे शपथ ग्रहण क’ सकैत छथि। खबर आबि रहल अछि जे जदयू के नेता के लंबा समय तक मनाबय के बाद निशांत कुमार राजनीति मे सक्रिय भूमिका निभाबय लेल तैयार भ’ गेल छथि। काल्हि गांधी मैदान मे भव्य समारोह होएत। एहि सबहक बीच लल्लन सिंह आ संजय झा सहित कतेको प्रमुख नेता कें नीतीश कुमार कें सरकारी आवास पर आवा-जाहि लागल छनि । उप सीएम विजय चौधरी भोर सँ नीतीश आवास पर तैनात छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts